‘टिकाउ विकास लेल पूर्वाधार नीति जरूरी’


विराटनगर, २ चैत: कोशी प्रदेशक मुख्यमन्त्री हिक्मतकुमार कार्की टिकाउ विकास लेल ठोस पूर्वाधार नीति आवश्यक भेल बतौलैन अइछ ।
मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद् कार्यालयमे आयोजित पूर्वाधार नीति तर्जुमा कार्यक्रममे संबोधन करैत ओ कहलैन जे नीति बना क काज कएलासँ योजना आयोगक आवधिक योजना आ सरकारक वार्षिक कार्यक्रमसभ बीच समन्वय स्थापित हएत , जाहिसँ विकाशकेँ सही दिशामे आगाँ बढ़ेबाक सुविधा भेटत।  ओ कहलैन, “हमर आवधिक योजना आ नीति एक दिस, आ सरकारक वार्षिक नीति एवम् कार्यक्रम दोसर दिस रहैत अइछ, एहि कारण एकरा समन्वयमे अनबाक आवश्यकता अइछ।”
मुख्यमन्त्री कार्की जलवायु परिवर्तनक असरकेँ धीयानमे राखैत पूर्वाधार नीति निर्माण करबाक महत्वपर जोड़ देलैन । ओ कहलैन जे जलवायु परिवर्तनकेँ बेवास्ता कएलाक कारण विकाश निर्माण कार्य किछ ठाम विपत्तिकेँ जन्म दैत अइछ।  विपत्ति आ जलवायु परिवर्तनक जोखिमक आँकलन करैत नीति बनबाक चाही कहि मुख्यमन्त्री कार्की सुझाव देलैन । ओ ईहो कहलैन जे सड़क आ पुलसभ बनैत-बनैत ध्वस्त भ जेबाक वर्तमान स्थितिसँ बचबाक लेल मजबूत पूर्वाधार नीति आवश्यक अइछ।  मुख्यमन्त्री कार्की आगाँ जोड़लैन जे विपत्ति आ जलवायु परिवर्तनकेँ धीयानमे रखि पूर्वाधार नीति बेहतर बनाबयके कोनो विकल्प नै अइछ। पूर्वाधार नीति तर्जुमे गोष्ठीमे कोशी प्रदेश सरकारक मन्त्री, सचिव एवम् विभिन्न क्षेत्रक विशेषज्ञसभ भाग लेने छलाह।

ताजा खबर
लोकप्रिय