कांग्रेसक बन्द सत्रके बातचित बुधदिन भोरे फेर हएत


काठमाण्डू, २० आसिनः नेपाली कांग्रेसक १५म महाधिवेशनअन्तर्गत आइ तेसर दिनक बन्द सत्रके बातचित समाप्त भेल अइछ । बन्द सत्रक आओर बातचित बुधदिन फेर हएत ।

बन्द सत्रमे सहभागी महाधिवेशन प्रतिनिधिसभ सभापति गगन कुमार थापाद्वारा पेश कएल गेल राष्ट्रिय पुनर्जागरण तथा समुन्नतिक राजनीतिक प्रस्ताव, उपसभापति विश्वप्रकाश शर्माक राजनीतिक संस्कृतिक क्षय तथा युगानुकूल रूपान्तरणक दायित्वसम्बन्धी समसामयिक प्रस्ताव, महामन्त्री गुरुराज घिमिरेसँ सम्बन्धित संगठनात्मक प्रतिवेदन तथा कोषाध्यक्ष उमेश श्रेष्ठक आर्थिक प्रतिवेदनपर बातचित कएने छल ।

बातचितमे सातू प्रदेशक अतिरिक्त भ्रातृ तथा शुभेच्छुक संस्थाक प्रतिनिधिसभ सहभागी भेल महाधिवेशन व्यवस्थापन समितिक संयोजक सुरेशराज आचार्य जानकारी देलैन । हुनक अनुसार बन्द सत्रक तेसर दिनक बातचित बुधदिन भोरे साढ़े १० बजे फेर हएत । बुधदिनके सत्रक शुरुवातमे पार्टी सभापति थापा सम्बोधन करबाक कार्यक्रम रहल संयोजक आचार्य बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय