काठमाण्डू, २० आसिन : अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग नेपाल विद्युत प्राधिकरण, इटहरी वितरण केन्द्रमे कार्यरत इञ्जिनियर कृष्ण नारायण यादव विरुद्ध विशेष अदालतमे मुद्दा दायर केलक अइछ ।
इञ्जिनियर यादव एकटा गार्मेन्ट उद्योगमे २० केभी क्षमताके विद्युत लाइन जड़ानक लेल सहजीकरण क देबाक कहैत सेवाग्राहीसँ ५० हजार टका घुस लेने छलैन ।
घुस रकम ल चुकल अवस्थामे आयोगक टोली किछ समय पहिने यादवकेँ नियन्त्रणमे लेने छल । इञ्जिनियर यादव विद्युत लाइन जड़ान तथा ओइसम्बन्धी काजमे सहजीकरण क देबाक कहैत सेवाग्राहीसँ घुस माँग क लेने अनुसन्धानसँ खुललाक कारण सोमदिन मुद्दा दायर कएल गेल आयोगक प्रवक्ता सुरेश न्यौपाने जानकारी देलैन । (रासस)





