काठमाण्डू, ३ चैत: प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली समाजके सब क्षेत्रमे महिला आ पुरुषक समान सहभागितासँ सकारात्मक परिवर्तन अनबाक आवश्यकता रहल बतौलैन अइछ।उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्रालय आ नेपाल उद्योग परिसंघद्वारा आयोजित महिला नेतृत्व सम्मेलनके उद्घाटन करैत प्रधानमन्त्री ओली कहलैन ” नेपाली परम्परा आ संस्कृतिमे महिलाके देवीसरह मानल जाइत अइछ आ हुनका परिवर्तनशील एवम् गतिशील शक्तिक रूपमे चित्रित कएल जाइत अइछ, तेँ महिलासभक समान सहभागिता आवश्यक अइछ।” ओली कहलैन, “रथके एकटा पहियासँ मात्र चइल नै सकैत अइछ। तेँ हमसभ महिला आ पुरुषक समान सहभागितासँ संपूर्ण समाजके आगाँ बढ़ेबाक अइछ। सामाजिक न्याय आ समानता स्थापित करैत गरीबी हटेबाक लेल निजी क्षेत्रक सङ मिलक काज करबाक अइछ।”
प्रधानमन्त्री ओली कहलैन, “राष्ट्रपति, प्रधानन्यायाधीश समेत उच्च पदपर महिलासभकेँ स्थापित कएल गेल अइछ। राजनीतिमे महिलाक सहभागिता बइढ़ रहल अइछ, जे खुशीके विषय अइछ। मुदा एतेसँ सन्तुष्ट होएबाक नै अइछ। शिक्षा, उद्यम आ रोजगारक क्षेत्रमे महिलासभकेँ आगाँ आनबाक अइछ।” सरकार आ निजी क्षेत्रक सहकार्य बढ़ेबाक संकल्प लैत प्रधानमन्त्री कहलैन जे उद्यम विकाश आ महिला सशक्तिकरणकेँ प्रोत्साहन देब, आर्थिक विकाश आ सुशासन प्रवर्द्धन करब सरकारक प्राथमिकता अइछ। ओली जोड़ि क कहलैन, “हमसभ आगाँ बढ़बाक अइछ, पाछा घुरबाक नै छै। बैक गियर केवल मोड़पर लगैत अइछ, राजमार्गमे नै। लोकतन्त्र हमर राजमार्ग अइछ।”
प्रधानमन्त्री कानूनी सुधारपर जोड़ दैत कहलैन जे कानूनसभ एहन होएबाक चाही जे विकाशक समर्थन करए, बाधा नै बनै। सम्मेलनसँ भेटल सुझावके आधारपर सरकारी नीति, कानूनी व्यवस्था आ व्यवहारमे सुधार करबाक प्रतिबद्धता प्रकट कएलैन। उद्योग, वाणिज्य तथा आपूर्ति मन्त्री दामोदर भण्डारी कहलैन जे औद्योगिकीकरणके प्रवर्द्धन वर्तमान सरकारक प्राथमिकता अइछ। सरकारी निकायमे स्वदेशी वस्तुक उपयोग सम्बन्धी कार्यविधि जारी करबाक सङ आर्थिक क्षेत्रके सुधार लेल निरन्तर काज भ रहल अइछ। सम्मेलनमे प्रधानमन्त्री ओली राष्ट्रीय फुटबल खिलाड़ी प्रीति राई आ सामाजिक अभियंता रुक्साना कपालीकेँ सम्मानित सेहो कएलैन।





