सब पालिकामे आपत्कालीन गोदामघर व्यवस्थापन कएल जाएत


काठमाण्डू, ८ चैतः गृह मन्त्रालय विपद् प्रतिकार्य लेल आवश्यक सामग्रीसभसहित सम्पूर्ण स्थानीय तहमे आपत्कालीन गोदाम व्यवस्थापन करबाक पहल कएने अइछ।

गृहमन्त्री रमेश लेखकके अध्यक्षतामे आइ गृह मन्त्रालयमे भेल विषयगत समिति बैसारमे विपद् जोखिम न्यूनीकरण कार्यकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल जोखिम नक्सांकन, सुरक्षित बासस्थान निर्माण, पूर्वतैयारी, प्रतिकार्य, पुनःलाभ आ पुनःस्थापनाक कार्य राष्ट्रीय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण, प्रदेश विपद् व्यवस्थापन समिति, जिला विपद् व्यवस्थापन समिति आ स्थानीय विपद् व्यवस्थापन समिति सबके समन्वयमे करबाक निर्णय भेल अइछ।

बैसारमे नगर प्रहरीक क्षमता विकाशमे नेपाल प्रहरीद्वारा आवश्यकतानुसार सहयोग देबाक निर्णय सेहो भेल छै । तेहने, पछिला समयमे बढ़ल लागुऔषध दुर्व्यसन, आत्महत्या, सड़क दुर्घटना, साइबर अपराध सहित सुरक्षा चुनौतीसभकेँ न्यूनीकरण करबाक सङे नागरिकक जान आ संपत्तिक सुरक्षा लेल नीति, कार्यक्रम आ पूर्वाधार निर्माणमे सहकार्यकेँ मजबूत करबाक निर्णय लेल गेल।

गृह मन्त्रालयक प्रवक्ता सहसचिव रामचन्द्र तिवारी जानकारी देलैन जे प्रहरी समायोजन कार्यकेँ निष्कर्षधैर पहुँचाएबाक लेल आवश्यक कानूनी संशोधन आ व्यवस्थापन प्रक्रिया गृह मन्त्रालय आ प्रदेश सरकारक समन्वयमे आगू बढ़ाएल जाएत । ओ कहलैन “देशक समग्र शान्ति सुरक्षा स्थिति तथा प्रादेशिक रूपमे देखल सुरक्षा चुनौतीसभक समीक्षा कएल गेल आ प्राप्त सुझावसभसहित प्रतिवेदन राष्ट्रीय समन्वय परिषदमे पठाएल जाएत ।”

बैसारमे संविधान आ व्यवस्थाक विरोधी गतिविधिसभकेँ नियंत्रित करबाक, विद्यमान सुरक्षा चुनौतीसभपर निगरानी राखबाक आ आम नागरिकमे सुरक्षाक प्रत्याभूति दिएबाक लेल गृह मन्त्रालय आ प्रदेश सरकारक बीच समन्वयकेँ प्रभावकारी बनेबाक निर्णय सेहो भेल।

गृहमन्त्री लेखक जानकारी दैत कहलैन “प्रादेशिक आपत्कालीन गोदामसभ प्रदेश सरकारकेँ हस्तांतरित करबाक कार्य शुरू भ गेल अइछ। कर्णाली आ सुदूरपश्चिममे गोदामघर हस्तांतरित कएल गेल अइछ। आन प्रदेशसभमे सेहो हस्तांतरण करबाक प्रक्रिया चइल रहल अइछ। पालिकास्तरधैर गोदाम सञ्चालन करबाक लेल प्रदेश आ स्थानीय सरकारक सहयोग आवश्यक अइछ।”

बैसारमे गण्डकी प्रदेशक मुख्यमन्त्री सुरेन्द्र पाण्डे, सुदूरपश्चिम प्रदेशक आन्तरिक मामिला तथा कानूनमन्त्री हिरा सार्की, बागमती प्रदेशक आन्तरिक मामिला तथा कानूनमन्त्री सुरजचन्द्र लामिछाने, नेपाल नगरपालिका महासंघक अध्यक्ष भीमप्रसाद पत्थरना, गाउँपालिका राष्ट्रीय महासंघक अध्यक्ष लक्ष्मी पाण्डे, गृह सचिव गोकर्णमणि दुवाड़ी, नेपाल प्रहरी प्रमुख प्रहरी महानिरीक्षक दीपक थापा, सशस्त्र प्रहरी प्रमुख सशस्त्र प्रहरी महानिरीक्षक राजु अर्याल, राष्ट्रीय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरणक कार्यकारी प्रमुख डा. दिनेश भट्ट सहित विभिन्न अधिकारीसभ अपन–अपन विचार व्यक्त कएलैन।

ताजा खबर
लोकप्रिय