वीरगञ्ज सुख्खा बंदरगाहसँ ३२ अर्ब ३२ करोड़ राजस्व संकलन


वीरगञ्ज (पर्सा), १० चैतः वीरगञ्ज सुख्खा बंदरगाह भन्सार कार्यालय चालू आर्थिक वर्षक आठ महिनामे कुल ३२ अरब ३२ करोड़ ८८ लाख ७८ हजार टका राजस्व संकलन कएने अइछ ।
भन्सार विभाग कार्यालयकेँ वर्षभैर ६० अर्ब चाइर करोड़ ८७ लाख ९७ हजार टका राजस्व संकलन करबाक लक्ष्य देने छल । सुख्खा बंदरगाह भंसार कार्यालयक प्रमुख धनबहादुर बरुवालक अनुसार चालू आ.व.के पइछला दू महिनामे मासिक लक्ष्यके ९२ प्रतिशतधैर राजस्व संकलन भेल अइछ ।

कार्यालय वितल साओनमे तीन अर्ब ७५ करोड़, भादोमे चाइर अर्ब ६४ करोड़ राजस्व संकलन कएने छल । आसिनमे चाइर अर्ब ३६ करोड़ टका, कातिकमे तीन अर्ब ७९ करोड़ टका राजस्व संकलन भेल छल ।
अइ तरहेँ, वितल अगहनमे तीन अरब २२ करोड़ टका, पुसमे तीन अर्ब ५६ करोड़ टका , माघमे चाइर अर्ब २९ करोड़ टका आ फागुनमे चाइर अर्ब ६८ करोड़ टका राजस्व संकलन भेल अइछ। चालू आ.व.के आठ महिनामे सभसँ बेसी राजस्व फागुन महिनामे संकलन भेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय