न्याय सेवा सुधारै खातिर शुरू भेल अनलाइन प्रणाली


काठमाण्डू, १२ चैतः न्याय प्रणालीकेँ आओरो सहज आ सरल बनेबाक लेल अनलाइन प्रणाली शुभारम्भ कएल गेल अइछ। सर्वोच्च अदालतसँ सातों प्रदेशक मुख्य न्यायाधिवक्ताक कार्यालय सभकेँ पेसीक सूचना पठेबाक आ जिला अदालतसभद्वारा विशेष प्रकृतिक निवेदनपर कारबाही करबाक लेल ई अनलाइन प्रणाली आइ शुरू कएल गेल अइछ।

अनलाइन प्रणालीक शुभारम्भ करैत प्रधानन्यायाधीश प्रकाशमान सिंह राउत कहलैन जे न्याय प्रणालीमे सुधार अनिवार्य अइछ आ ओहि लेल प्रविधिक सुधार अत्यावश्यक अइछ। “एहि प्रणालीक शुभारम्भसँ न्याय प्रणाली टिकाउ, भरोसगर, विश्वसनीय आ पारदर्शी बनत, सङे अनियमितता, विकृति आ विसंगतिक समाप्तिक लेल योगदान देत,” ओ कहलैन। प्रधानन्यायाधीश राउतक कहब छलैन जे न्याय प्रणालीमे ‘डिजिटाजेसन’ आजुक समयक अपरिहार्यता अइछ।

सर्वोच्च अदालत न्यायिक सेवाकेँ शीघ्र, प्रभावकारी आ कम कागज प्रयोग करबाक दिशामे विकसति करबाक लक्ष्य राइख सूचना प्रविधिकेँ प्राथमिकतामे राइख कार्य क’ रहल अइछ। सर्वोच्च अदालतक अनुसार, अदालतसभमे मुद्दा व्यवस्थापनक अधिकांश काज एकीकृत मुद्दा व्यवस्थापन प्रणालीक अन्तर्गत करबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ।

एहि प्रणालीमे नित्य नयाँ सेवासभ जोड़ल जा रहल अइछ आ सर्वोच्च अदालतद्वारा हाले विकसित अनलाइन प्रणाली आब विधिवत रूपेँ शुरू कएल गेल अइछ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको