सगरमाथा संवाद लेल भारतद्वारा सवारीसाधन सहयोग


काठमाण्डू, २८ वैशाख: नेपाल सरकारद्वारा अगिला जेठ २ सँ ४ गतेधैर आयोजित होएबला सगरमाथा संवादके लेल सहयोगस्वरूप भारत सरकार १५ टा विद्युतीय सवारीसाधन उपलब्ध करौने अइछ।

आइ परराष्ट्र मन्त्रालयमे आयोजित एक कार्यक्रममे नेपालक परराष्ट्रमन्त्री डा. आरजु राणा देउवाकेँ भारतके नेपाल स्थित राजदूत नवीन श्रीवास्तव सवारीसाधन हस्तान्तरण कएलैन। ई सवारीसाधनसभ नेपाल–भारत सहयोग कार्यक्रम अन्तर्गत प्रदान कएल गेल अइछ।

उक्त अवसरमे मन्त्री डा. राणा भारत सरकारद्वारा देल गेल सहयोगक लेल आभार प्रकट करैत कहलैन जे जलवायु परिवर्तन केवल नेपालक मुद्दा नै, बल्कि सम्पूर्ण क्षेत्रक साझा चुनौती छियै, आ एकर समाधान लेल आपसी समन्वय आ सामूहिक प्रयास जरूरी अइछ।

ओ कहलैन “सगरमाथा संवाद क्षेत्रीय स्तरपर जलवायु परिवर्तनसँ सम्बन्धित साझा समस्यासभकेँ उजागर करबाक सङे समाधानक उपायसँ जुड़ल सामूहिक प्रयासक एक ‘मोडल’ तय करत, जत भारत सरकारके सहयोग उल्लेखनीय अइछ।”

मन्त्री डा. राणा जानकारी देलैन जे संवादक सम्पूर्ण तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल छै आ आब नेपाल सरकार विदेशी उच्चपदस्थ व्यक्तित्वसभ आ पाहुनसभके स्वागतके प्रतीक्षामे अइछ।

भारतीय राजदूत श्रीवास्तव कहलैन “भारत सरकार नेपालमे आर्थिक, सामाजिक सहित विभिन्न क्षेत्रमे सहयोग दैत आइब रहल अइछ आ सगरमाथा संवादक सन्दर्भमे सवारीसाधन देबा अवसर भेटलासँ हम प्रसन्न छी । जलवायु परिवर्तनसँ उत्पन्न साझा चुनौतीसभक समाधान लेल भारत सरकार नेपालक सङ छै।” रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको