कमला पुल सञ्चालनके तयारी अन्तिम चरणमे


जनकपुरधाम । सिरहा आ धनुषा जिलाकेँ जोड़ैबला कमला नदीपरके निर्माणाधीन पुल सञ्चालनके तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल अइछ । नदीके धार नियन्त्रण क पाइनक बहाव पुल निचासँ करेबाक लेल सफल भेलाक बाद पुल सञ्चालनके लेल आवश्यक काज आगु बढ़ाएल गेल अइछ ।

हुलाकी राजमार्ग आयोजना निर्देशनालय, जनकपुरधामक प्रमुख कृष्ण कुमार महतोके कहब अनुसार सिरहादिस तटबन्ध निर्माण क नदीके धार नियन्त्रण कएल गेल अइछ । नदीके धार परिवर्तन भेलाक लगले पुलकेँ दूनुदिसके सड़कस जोड़बाक काज भ रहल ओ जानकारी देलैन ।

हुनक कहब अनुसार अखन पुलके दूनुदिस माइट भड़बाक आ रेलिङ लगेबाक काज भ रहल अइछ । ई काज सम्पन्न भेलाक बाद पुल सञ्चालन हएत ।

कमला नदीमे पुल नै भेलासँ सिरहा आ धनुषाक बासिन्दा सालोसँ आवागमनमे समस्या भोगैत आएल अइछ । विशेष क वर्षाक समयमे नदीमे पाइनक बहाव बढ़लासँ नाउके सहारा लेबाक आ जोखिमपूर्ण तरिकासँ नदी पार करबाक लेल नागरिक बाध्य छल । अइसँ स्थानीयवासीके दैनिक आवागमन सङे शिक्षा, स्वास्थ्य आ व्यापारिक गतिविधिमे सेहो असर होइत आएल छल ।

धनुषाके कमला नगरपालिकाके स्थानीय सुरेश यादव पुल सञ्चालन भेलाक बाद शिक्षा, स्वास्थ्य, व्यापार आ दैनिक कामकाजक लेल दू जिला बीच आवतजावत करबाक लेल आसान होबाक बतौलैन ।

पुल सञ्चालन भेलाक बाद कृषि उपज तथा स्थानीय उत्पादनक ढुवानी सहज होबाक सङे किसान, व्यापारी आ सर्वसाधारण लाभान्वित होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । अइसँ सिरहा आ धनुषा बीचके आर्थिक तथा सामाजिक सम्बन्धकेँ सेहो थप सहज बनाओत से विश्वास कएल गेल अइछ । (रासस) Image: Himalayan Diaries

ताजा खबर
लोकप्रिय