जनकपुर, ६ अगहन: मधेश प्रदेश सरकार बेरोजगारी न्यूनीकरण तथा युवाकेँ सीपयुक्त बनाबैत स्वरोजगार आ आत्मनिर्भर बनेबाक उद्देश्य प्रदेशक आठु जिलामे एकीकृत रोजगार कार्यक्रम सञ्चालन करबाक भेल अइछ ।
मधेश प्रदेशक नवनियुक्त मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव आइ पदभार ग्रहण करैत प्रदेशमे विद्यमान गरिबी, बेरोजगारी आ न्यून साक्षरताजकाँ समस्याके समाधानक लेल सीप विकास, रोजगारी सिर्जना तथा उद्यमशीलता प्रवर्द्धनक लेल कार्यक्रम सञ्चालन करबाक पहिल निर्णय कएने अइछ।
प्रस्तावित कार्यक्रमअन्तर्गत पुन:सीप विकास तथा सार्वजनिक रोजगार सेवा प्रवर्द्धन, मुख्यमन्त्री महिला स्वरोजगार कार्यक्रम, वैदेशिक रोजगारीसँ आएल व्यक्तिक लेल स्वरोजगार कार्यक्रम आ मुख्यमन्त्री रोजगार कार्यक्रम सञ्चालन करबाक योजना निर्णयमे उल्लेख अइछ ।
तहिना, आधुनिक प्रविधिमे आधारित स्वरोजगार तथा आत्मनिर्भरता प्रवर्द्धनक लेल कृत्रिम बुद्धिमत्ता (एआई), इ-कमर्स आ कम्प्युटरसम्बन्धी तालिममार्फत युवाके क्षमता तथा उद्यमशीलता विकास करबाक लक्ष्यसहित प्रदेशक आठटा जिलामे एक महिनाभित्र कार्यक्रमसभ प्रारम्भ करबाक प्रस्ताव कएल गेल निर्णयमे उल्लेख अइछ । (रासस)





