काठमाण्डू, १ जेठ: शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्रालय सामुदायिक विद्यालयसभसँ आग्रह कएलक जे विद्यालयक अनुकूलताक आधारपर हिउँदे अथवा वर्षे बिदाक अवधिमे सेहो पठनपाठन जारी राखल जाए।
मन्त्रालय एक विज्ञप्ति जारी करैत वि.सं. २०८१ चैत महिनामे शिक्षक आ कर्मचारीद्वारा काठमाण्डू केन्द्रित भेल आन्दोलनक कारण सामुदायिक विद्यालयमे विद्यार्थी भर्ना आ पठनपाठन सहितक कार्य प्रभावित भेल छल, ताहि कारण ई आग्रह कएल गेल अइछ।
मन्त्रालय कहलक जे महासङ्घक प्रतिबद्धताक आधारपर आवश्यक व्यवस्था सुनिश्चित करबाक लेल सम्पूर्ण सामुदायिक विद्यालयसभसँ विशेष आग्रह कएल गेल अइछ। विज्ञप्तिमे कहल गेल, “पेसागत आन्दोलनक कार्यक्रममे शिक्षक तथा कर्मचारीक सहभागिताक कारण विद्यालयमे अनुपस्थिति आदिक प्रबन्ध करैत, शिक्षकके मनोबल उच्च राइख आ विद्यालयक प्रशासकीय व्यवस्था सुदृढ करब आवश्यक भेलासँ एहि एहन आग्रह कएने अइछ।”
शिक्षक आ कर्मचारी वर्तमानमे विद्यालयमे घुइर क अपन पेसागत कार्य फेर शुरू कएने अइछ, एहि सन्दर्भमे मन्त्रालय विशेष आग्रह कएलक जे शिक्षकके निरन्तर सक्रियता, प्रेरणादायक कार्य प्रदर्शन आ विद्यार्थीसभक शिक्षामे विशेष सुधार सुनिश्चित करबाक लेल स्थानीय तह, विद्यालय आ सम्बन्धित पक्षसभ विशिष्ट समन्वय, सहकार्य आ सहजीकरणक भूमिका निर्वाह करू। रासस






