जनकपुरधाम, २८ अगहनः मधेश प्रदेश सरकारक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव प्रदेशमे भेल विकृति, विसङ्गती अन्त्य क जनताकेँ सुशासन देबाक उद्देश्यसँ प्रभावकारी रुपमे काज करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन अइछ ।
शैनदिन जनकपुरधाममे नेपाली कांग्रेस मधेश प्रदेश कार्यसमितिक बैसारमे ओ जनता केन्द्रित भ पारदर्शी, सुशासनसहित भ्रष्टाचार विरुद्ध प्रभावकारी रुपमे काज करबाक बतौलैन । वर्तमान राजनीतिक अस्थिरतासँ जनतामे असन्तुष्टि बढ़ल उल्लेख करैत ओ प्रदेश सरकार सुशासन कायम करबाक आ जनहित केन्द्रित काज करबाक लेल प्रतिबद्ध भेल बतौलैन ।
प्रदेश कांग्रेसक सभापति सेहो रहल मुख्यमन्त्री यादव जनताके निराशाकेँ अन्त्य करैत समस्या समाधानमे केन्द्रित भ दीर्घकालीन एवं प्रभावकारी रुपमे योजनाबद्ध कार्यसम्पादन करबाक स्पष्ट केलैन । आमजनता प्रदेश सरकार भेल प्रत्यक्ष अनुभूति करैजँका काज करबाक ओ प्रतिबद्धता दोहोरोलैन ।
प्रशासनिक पारदर्शीता, सेवा प्रवाहके प्रभावकारिता आ जनउत्तरदायी शासन प्रणालीकेँ सुदृढ़ करबाक विषयमे पार्टी पंक्तिके एकताबद्ध भ लागबाक लेल मुख्यमन्त्री यादव जोड़ देलैन । पार्टीके अइगला केन्द्रीय महाधिवेशन सफल बनेबाक लेल सब नेता तथा कार्यकर्ताकेँ अपन–अपन क्षेत्रसँ व्यवस्थित आ सक्रिय रुपमे लागबाक लेल सेहो ओ आग्रह केलैन । (रासस)





