चौबिस घण्टामे देशभैर २२ स्थानमे आइगलगी


काठमाण्डू, २९ अगहनः राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरणके अनुसार शैनदिन भोर १० बजेसँ रैबदिन भोरधैर देशभैर जमा २५ टा विपद्जन्य घटना भेल अइछ । ओइमध्ये सबसँ बेसी २२ टा घटना आइगलगीके अइछ ।

बिजुली सर्ट भ क, असावधानी एवम् जनचेतनाके अभावमे तहिना खाना बनाबैबला ग्यासके कारण आइगलगी भेल प्राधिकरणके विवरणमे उल्लेख अइछ । रौतहटमे तीन, पाँचथर, झापा, कास्की आ स्याङजाके दू/दू स्थानमे आइगलगीके घटना भेल अइछ ।

मोरङ, भोजपुर, उदयपुर, सर्लाही, काठमाण्डू, स्याङजा, रुपन्देही, दाङ, अछाम आ दार्चुलाके एक/एक स्थानमे आइगलगीके घटना भेल अइछ ।

प्राधिकरणके अनुसार काठमाण्डूके दक्षिणकाली नगरपालिका–५ पूरान दक्षिणकाली जंगलमे आइगलगी भेल छल । इलाका प्रहरी कार्यालय फर्पिङ टोली आ स्थानीयके सहयोगमे आइग नियन्त्रणमे लेने छल । पाल्पामे भुस्खलन, मोरङके दू स्थानमे जंगली हात्तीके  आक्रमणके घटना भेल अइछ । मोरङके सुन्दरहरैचा नगरपालिका १२ मे हात्तीके आक्रमणसँ एक गोटेक मृत्यु भेल अइछ ।

विपद्मे एक गोटेके मृत्यु आ चाइर गोटे घायल भेल अइछ । विपद्जन्य घटनाके कारण जमा ७२ लाख ९ सओ टका बराबरके क्षति भेल अनुमान कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको