जनकपुरधाममे बालिकाके हत्या


धनुषा, १३ साओनः जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–४मे धारदार हथियारसँ प्रहार क एक बालिकाके हत्या कएल गेल अइछ आ दू गोटे घायल भेल छैथ।

कटैयाचौरीके लगमे भेल घटनामे बटेश्वर गामपालिका–५ शान्तिपुरक दिनेश यादवक १४ वर्षीय बेटी अञ्चली यादवक मृत्यु भेल प्रहरी जनौलक अइछ। अञ्चलीक माय ३६ वर्षीय आशा यादव आ आशाक १५ वर्षीय भतीजी राधा यादव घायल छैथ। हुनकासभकें इलाजक लेल प्रादेशिक अस्पताल जनकपुरमे भर्ना कएल गेल अइछ।

जिला प्रहरी कार्यालयक अनुसार, सूर्यनन्द चौधरीक एकतल्ला पक्की घरमे डेरा ल क रइह रहल धनुषाक क्षीरेश्वरनाथ नगरपालिका–९ इच्छापुरक ३५ वर्षीय रामबाबु साह सोमदिन राइत ओ तीनू गोटेपर दबियासँ प्रहार कएने छल। आशाक माथ आ शरीरक विभिन्न भागमे घा भेल अइछ, जखन कि राधाक दहिना ठेहुन आ दहिना हाथ कटल अइछ। अञ्चली जनकपुरमे डेरा ल क अपन माएसङे रहि क पइढ़ रहल छल।

साह अपन पत्नीक हत्याक अभियोगमे पाँच वर्ष जेलक सजा काइट चुकल व्यक्ति छैथ। मधेश प्रदेश प्रहरी प्रमुख उमा चतुर्वेदी घटनाक अनुसन्धान भ रहल आ हत्या अभियुक्तक खोज भ रहल जानकारी देलैन। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय