काठमाण्डू, १३ साओन: नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरण विभाजन सम्बन्धी विधेयक संघीय संसदक चालू अधिवेशनसँ पारित करबाक लेल काज भ रहल जानकारी अन्तर्राष्ट्रीय सम्बन्ध तथा पर्यटन समितिक सभापति राजकिशोर यादव देलैन ।
प्रतिनिधिसभा, अन्तर्राष्ट्रीय सम्बन्ध आ पर्यटन समितिमे नेपाल हवाई सेवा प्राधिकरण विधेयक, २०८१ क संशोधनकर्तासभसँ बातचितके बाद समितिके सभापति यादव कहलैन जे सरकारक नीति तथा कार्यक्रममे सेहो उल्लेख भेलाक कारण चालू अधिवेशनसँ ओइ विधेयक पारित भ जाएत, अइमे हम विश्वस्त छी।
संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डे सहितक उपस्थितिमे भेल बातचितमे संशोधनकर्ता सांसदसभ माधव सापकोटा, शिशिर खनाल, निशा डाँगी, मनिष झा, राजेन्द्र बजगाईं अपन-अपन धारणा प्रस्तुत केलैन। (रासस)






