मधेशमे स्वास्थ्य बीमा करैबला साढ़े सात लाखसँ उपर


धनुषाधाम, १९ साओन : मधेश प्रदेशमे स्वास्थ्य बीमा करैबला लोकके संख्या सात लाख ५० हजारसँ बेसी भेल अइछ।

सरकारद्वारा नागरिककेँ सहज आ सुलभ रूपमे सरकारी स्वास्थ्य सेवाधैर पहुँच सुनिश्चित करेबाक लेल आनल गेल ई कार्यक्रम अन्तर्गत अइ साओन १६ गतेधैर प्रदेशक आठू जिलासँ सात लाख ७९ हजार दू सओ ६५ गोटे स्वास्थ्य बिमामे आबद्ध भेल स्वास्थ्य बीमा बोर्डक मधेश प्रदेश संयोजक रामेन्द्रप्रसाद कुशवाहा जानकारी देलैन। एकरा सङे, प्रदेशमे बिमा करैबला लोकके संख्या लगभग १३ प्रतिशत पहुँच गेल अइछ।

मधेश प्रदेशमे राष्ट्रिय जनगणना २०७८के तथ्याङ्क अनुसार ६१ लाख १४ हजार छ सओ कूल जनसङ्ख्या अइछ। ओ स्थानीय तह तथा प्रदेश सरकारसङ समन्वय क कार्यक्रमकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक प्रयास भ रहल बतौलैन।

प्रदेश सरकारक आर्थिक सहयोगमे मधेशक शहिद परिवारकेँ निःशुल्क बीमा कएल गेल अइछ। बितल आर्थिक वर्षमे प्रदेश सरकारद्वारा विनियोजन कएल गेल ४० लाख टकासँ किछु शहिद परिवारकेँ बिमामे आबद्ध कएल गेल ओ बतौलैन। सब शहिद परिवारके पहिचान नै भ सकल, ठेकान यकिन नै भ सकल आ कतेको परिवार बसाइँसराइ क चइल गेलासँ पूर्णरूपसँ शहिद परिवारकेँ बिमामे समावेश करब कठिन भेल हुनकर कहब छैन।

हुनक कहब अनुसार, सरकारद्वारा सञ्चालनमे आनल गेल आधारभूत अस्पतालसभकेँ बीमा सेवा अन्तर्गत अनबाक प्रयास भ रहल अइछ। सङे, क्यान्सर, हृदय रोग, डायलासिस, हेड इन्जुरी, स्पाइनल इन्जुरी जकाँ जटिल रोगक बेमारक लेल प्रमाणक आधारपर आओर एक लाख टकाके बिमा बढाएल गेल अइछ।

नियमित नवीकरण केनिहारकेँ भुक्तानी शुल्कमे सहुलियत व्यवस्था सेहो कएल गेल अइछ। मधेश प्रदेशमे स्वास्थ्य बीमा कार्यक्रम २०७३ सालसँ सुरू भेल छल । २०७५ सालसँ आठू जिलामे विस्तार कएल गेल छल।

बीमा कार्यक्रमकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक लेल प्रत्येक वाडमे रहल दर्ता सहयोगीकेँ घर-घर पठाक नागरिककेँ बिमामे सहभागी करेबाक अभियानमे रहल प्रदेश संयोजक कुशवाहा जानकारी देलैन। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको