सिरहा, १ भादब । प्रादेशिक अस्पताल सिरहामे डायलासिस सेवा लेनिहार सेवाग्राहीके भीड बढल अइछ ।
अस्पताल बितल तीन सालसँ डायलासिस सेवा दैत आएल अइछ । सेवाग्राहीके भिड बढलाके बाद सेवा विस्तारके लेल अस्पतालमे स्रोत साधनके अभाव सेहो देखाएल अइछ । अस्पताल अखन १० टा डायलासिस मेसिनसँ सेवा दैत आएल अइछ ।
अस्पताल प्रमुख डा. सुनिलप्रसाद कुशवाहाके अनुसार सबदिन १० गोटे बिमार सेवा लैत एलाके बादो २० गोटे बेरामके डायलासिसके लेल प्रतिक्षा करबाक बाध्यता रहल अइछ । “किड्नी बदलनाइ सम्भव नै भेल अवस्थामे डायलासिस मात्र अस्थायी समाधान होइत अइछ । लेकिन बेमारीके भीडके कारण इलाजक क्रममे किछ बेमारके मृत्यु भेलाके बाद मात्रे नबका बेमारके लेल समय आबैत छै”, ओ कहलैन ।
सिरहा अस्पताल निःशुल्क डायलासिस सेवा दैत आएल अइछ । प्राइभेट या अस्पताल बाहर एकबेर डायलासिस कएलापर सात हजारतके खर्च होइत अइछ । जइके कारण आर्थिक अवस्था कमजोर भेल बेमारसभके लेल सिरहा अस्पताल सहज बनल अइछ ।
अस्पतालके सेवा प्रभावकारी भेलाके बादो निःशुल्क रुपमे देल जाएबाला ९८ तरकह दबाईके कमी, खूनक कमी आ मेसिनक कमी जेहन समस्या अस्पताल भोगैत आएल अइछ । डा.कुशवाहाके अनुसार मधेश प्रदेश सरकार मेसिन देलाके बादो डायलासिस सेवा निक बनाबएमे आओरो मेसिनके कमी अइछ ।
अखन रहल मेसिनके सङ्ख्या बेमारीके सङ्ख्याके हिसाबसँ कम रहल आ बिमारीके सेवा देबए आओरो मेसिन, जनशक्ति आ दबाइके आवश्यक रहल अस्पताल प्रशासन बतौने अइछ । रासस






