पेटझरीसँ पर्सामे दू गोटेके मृत्यु


वीरगञ्ज (पर्सा), ८ भादबः पर्सामे पेटझरीसँ दू गोटे बेमारसभके मृत्यु भेल अइछ ।

नारायणी अस्पताल, वीरगञ्जके प्रवक्ता डा. उदयनारायण सिंह इलाजक क्रममे पेटझरीके लक्षण देखाएल एक गोटेके बेमारीके शैनदिन मृत्यु भेल जानकारी देलैन । बेमारीमे हैजाके जाँच होएसँ पहिने हुनकर मृत्यु भेल डा.सिंह बतौलैन । अइसँ पहिने वीरगञ्ज हेल्थ केयरमे इलाज भ रहल एक गोटे बेमारीके शुकरदिन मृत्यु भेल छल ।

‘डेडिकेटेड बेड’ के व्यवस्था क क इलाज कएल जाएत

जिल्ला स्वास्थ्य सङ्कट व्यवस्थापन समिति हैजा आ पेटझरीके बेमारीकेँ लेल सब अस्पतालमे ‘डेडिकेटेड बेड’ के व्यवस्था क क इलाज करबाक निर्देशन देने अइछ । निमित्त प्रमुख जिल्ला अधिकारी सुमनकुमार कार्कीके अध्यक्षतामे शैनदिन बैसल बैसारसँ सङ्क्रमण बढ़ल अवस्थामे इलाजक लेल पर्याप्त ‘डेडिकेटेड बेड’ के व्यवस्था आ जनशक्ति व्यवस्थापन करबाक लेल सब अस्पतालकेँ निर्देशन देने छल ।

बैसारसँ पेटझरीके रोकथामके लेल सब सम्बन्धित निकायके समन्वयमे जनचेतनामूलक घर दुवार कार्यक्रम सुरु करबाक निर्णय कएल गेल कार्की जानकारी देलैन । तहिना, सरसफाई प्रवर्द्धनके लेल स्वास्थ्यकर्मी, स्वास्थ्य स्वयंसेविकासहित सरोकारवाला निकायकेँ प्रभावकारी परिचालन करबाक लेल वीरगञ्ज महानगरपालिकाकेँ अनुरोध कएल गेल ओ बतौलैन।

पेटझरी, हैजाके भिब्रिओ कोलेरा जीवाणु रोकथामके लेल सुरक्षा निकाय, स्थानीय तह, राजनीतिक दल, पेसागत सङ्घसंस्था, नेपाल रेडक्रस सोसाइटी, गैरसरकारी संस्थालगायतके समन्वयमे आवश्यक सामानको व्यवस्थापन क जागरण अभियानसमेत सञ्चालन कएल जाएत ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको