रौतहट, ११ भादव। रौतहटमे सुटकेसभितर मृत भेटल रुबी साह हत्या प्रकरणक मुख्य आरोपी लक्ष्मण पासवान शरिर जलेल अवस्थामे भेटल छइथ।
जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटक एसपी नेत्रमणि गिरीक अनुसार बुध दिन बिहान करीब साढ़े ६ बजे माधवनारायण नगरपालिका–६ माधोपुर लग बगैंचामे पासवान पेट्रोल छिटकए अपने शरिरमे आगि लगा लेलक। आत्मदाह करबाक सूचना भेटलाक बाद तत्काल प्रहरी पहुँचकए हुनका नियन्त्रणमे ल’ क’ उपचारक लेल स्थानीय अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल।
घटनास्थल निरीक्षणक क्रममे प्रहरी जनौलक अइछ जे पासवानक शरिरमे व्यापक चोटपटक आ जलन भेल अइछ। प्रारम्भिक अनुसन्धान अनुसार, ओ प्रहरी अनुसन्धान आ कानूनी कारबाई सँ बचबाक लेल आत्मदाहक प्रयास कएलनि से अनुमान कएल जाइत अइछ।
गत शइन दिन गौर बजार जाएब कहि डेरासँ निस्कल करिब ३० वर्षीया रुबी साहक शव सुटकेसभितर पैक अवस्थामे भेटल छल। शव भेटलाक बाद अनुसन्धानक क्रममा पासवानक मुख्य अभियुक्तक रूपमे पहिचान कएल गेल छल।
प्रहरी जनौलक अइछ जे घटनामे संलग्न होबए सकनिहार अन्य व्यक्तिक भूमिका पर अनुसन्धान भ’ रहल अइछ। जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट घटनाकेँ संवेदनशील मानेने आ कहलनि जे पासवानक स्वास्थ्य सुधार भेलापछि विस्तृत बयान ल’ आगू कारबाइ कएल जायत।





