राजविराजक क्याम्पसमे विद्यार्थी कएलक तालाबन्दी, थुन्हाएल कर्मचारी


राजविराज, १३ भादव । राजविराजस्थित महेन्द्र विन्देश्वरी बहुमुखी क्याम्पसमे बीएड चारिम वर्षक नतिजामे प्रयोगात्मक परीक्षाक अंक नइँ जोडल गेलाक कारण छात्रसभ शुक्रदिन शिक्षा शास्त्र संकाय आ परीक्षा शाखामे तालाबन्दी कएलक अइछ ।

बृहस्पति दिन प्रकाशित नतिजामे सब छात्र–छात्राकेँ प्रयोगात्मक परीक्षामे अनुपस्थित देखायल गेल, जे देखिकऽ विद्यार्थीसब आक्रोशित भ’ गेल छल । स्वतन्त्र विद्यार्थी यूनियन (स्ववियु) राजविराज क्याम्पसक अध्यक्ष रञ्जितकुमार यादवक आरोप अइछ जे शिक्षा शास्त्र संकायक प्रमुख रामअशिष यादव आ परीक्षा शाखाक प्रमुख चन्देश्वर यादवके स्वार्थ नइँ पुरा भेलाक कारण अंक समावेश नइँ कएल गेल ।

छात्रसब कहलक जे बाध्य भऽ तालाबन्दी करए पड़ल आ जाधइर प्रयोगात्मक अंक नइँ जोडल जाएत, ताधइर तालाबन्दी जारी रहत । तालाबन्दीक कारण परीक्षा शाखाक कर्मचारीसब भीतरे थुन्हाएल अइछ । ओ सब शाखाक आगाँ धर्नामे बैठल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको