विपद्सँ देशभैर ४६ गोटेके मुत्यु


नारायण न्यौपाने/प्रकाश सिलवाल
काठमाण्डू, २० आसिनः लगातारके वर्षा, बाइढ़ आ भुस्खलनके कारण देशभैर ४६ गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

राष्ट्रिय विपद् जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण आइ १ बजेधैर देने जानकारी अनुसार मनसुनजन्य विपद्सँ देशभैर ६ गोटे बेपत्ता अइछ, तँ २४ गोटे घायल भेल अइछ । सशस्त्र प्रहरी बल मनसुनजन्य विपद् आ सवारी दुर्घटनासहित अखनधैर ५५ गोटेके मुत्यु भेल जनौने अइछ ।

कोसी प्रदेशक इलाममे मात्रे भुस्खलनके कारण ३७ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । अइ प्रदेशमे भुस्खलन तथा डुबानके कारण इलाम, झापा, मोरङ, सुनसरी, उदयपुरलगायत जिलामे मानवीय क्षति भेल अइछ । विपद्क खतरामे रहल १८ गोटेकेँ नेपाली सेनाक हेलीकप्टरसँ उद्धार कएल गेल अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको