काठमाण्डू, २१ आसिनः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय प्राकृतिक विपद्मे पेटझरी आ हैजासँ बचबाक लेल सतर्कता अपनाबए आग्रह केलक अइछ ।
मन्त्रालयके प्रवक्ता डा. प्रकाश बुढाथोकी बाइढ़, भुस्खलन तथा डुबानक कारण हैजा आ पेटझरीलगायत पाइनक कारण रोग लाइग सकबाक कहैत ओइसँ बचबाक लेल सतर्कता अपनाबए आग्रह केलैन अइछ । खौलाएल ठन्डा पाइन या ‘क्लोरिन’ राइख क शुद्धीकरण बनाएल गेल पाइन मात्रे पियै लेल ओ आग्रह केलैन ।
प्रवक्ता बुढाथोकीद्वारा जारी सन्देशमे कहल गेल अइछ,“पियैबला पाइनकेँ साफ बरतनमे झाँइप क राखए आ साफ बरतनसँ मात्रे पाइन निकाइल क पिबु । खाएबला चिजकेँ निकजँका सिझा क खाए आ सड़ल गलल, बसिया आ माछी भिन्कल खाना नै खएबाक लेल आग्रह करैत छी ।”
खाना बनाबएसँ पहिने, खाना खाए या खुआबएसँ पहिने, दिसापिसाब कएलाक बाद या बालबालिकाके दिसा सफा कएलाक बाद, कुड़ाकचरा छुलाके बाद या कार्यालय प्रवेश करएसँ पहिने, बाहरके सामान छुलाक बाद साबुन पाइनसँ कम्तीमे २० सेकेण्डधैर निकजँका हात धोएबाक लेल मन्त्रालय आग्रह कएने अइछ ।
विपद्मे शौचालयमे मात्रे दिसा पिसाब करबा लेल आ बालबालिकाके दिसा पिसाबकेँ शौचालयमे फेकबाक लेल सेहो मन्त्रालय आग्रह कएने अइछ ।
तहिना, पेटझरी भेलापर तत्काल जीवनजल पियै लेल आ अधिक मात्रामे पोषणयुक्त रसगर खाना खएबाक लेल सेहो मन्त्रालयद्वारा आग्रह कएल गेल अइछ । (रासस)





