सिंह आ साह जनस्वराज पार्टीमे, सरकार गठन पर असर


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक कामचलाउ मुख्यमन्त्री सहित दू गोट प्रदेशसभा सदस्य जनमत पार्टी छोइड जनस्वराज पार्टीमे शामिल भ’ भेल छइथ ।

प्रदेश निर्वाचन कार्यालय जनकपुरधाममे बुधदिन निवर्तमान मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह आ प्रदेशसभा सदस्य त्रिभुवन साह जनस्वराज पार्टीमे जाएबाक निर्णयपर हस्ताक्षर कएलक । दुनू नेता पहिने डा. सीके राउत नेतृत्वक जनमत पार्टीसँ निर्वाचित भ’ गेल छल । सिंह एखन कामचलाउ मुख्यमन्त्री छइथ । साह पहिने सिंहेके नेतृत्वमे रहल सरकारमे मन्त्री छलथि । मन्त्री पदसँ हटाएला पश्चात साह असन्तुष्ट रहैत आएल छल ।

एहि बीच, लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टी (लोसपा) बुधदिन भोरमे ६ दलक ५७ सांसदक समर्थनसहित सरकार गठनक दाबी प्रदेश प्रमुखक समक्ष पेश कएने छल । आब, सिंह आ साह जनस्वराजमे गेलाक कारण सरकार गठन पर असर पड़बाक संभावना बढैत जा रहल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय