विवाह पञ्चमी महामहोत्सवः आइ नगरदर्शन


धनुषा, ४ अगहनः जनकपुरधाममे प्रत्येक साल भव्य रुपमे मनाएल जाएबला सीताराम विवाह पञ्चमी महामहोत्सवक तैयारी अन्तिम चरणमे अइछ । आइसँ नगरदर्शन कार्यक्रमसङे सप्ताहव्यापी धार्मिक पावैन औपचारिक रुपमे सुरु भ रहल अइछ ।

जानकी मन्दिर क्षेत्र, रङ्गभूमि मैदान तथा बाह्रबिघा परिसरमे सरसफाइसँ ल क आकर्षक पण्डाल निर्माणधैरके काज तीव्र गतिमे भ रहल जानकी मन्दिर व्यवस्थापन पक्ष जनौलक अइछ । मन्दिर लगपासक गल्ली, मठमन्दिरसभमे सेहो बिजली बत्ती जड़ानक काज भ रहल अइछ ।

विवाह पञ्चमीके मुख्य कार्यक्रमसभ जानकी मन्दिर आ बाह्रबिघा रङ्गभूमि मैदानमे केन्द्रित रहत । मुदा, अइ साल कोनो तहके सरकार कार्यक्रममे सहयोग नै कएने मन्दिरक उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास बतौलैन । पहिने सरकारी निकाय आर्थिक या व्यवस्थापकीय सहयोग करैत आएलमे अइ साल कोनो सहयोग नै कएने हुनक कहब छैन ।

अयोध्या, ऋषिकेश, हरिद्वारसहित भारतक विभिन्न धार्मिक केन्द्रसभसँ अइ साल सेहो बेसी सङ्ख्यामे साधु–सन्त, महन्त, योगी, सन्यासी, भिक्षु आ भिक्षुणीके आगमन होबाक जानकी मन्दिर प्रशासन जनौने अइछ । जनकपुरधामकेँ मिथिलाञ्चलक सांस्कृतिक राजधानीके रुपमे पहिचान दिएबाक लेल ई महोत्सव सालोसँ नेपाल–भारत धार्मिक सम्बन्ध मजबुत बनेबाक प्रमुख माध्यम बनल अइछ ।

सप्ताहव्यापी विवाह पञ्चमी महामहोत्सव अन्तर्गत आइ नगरदर्शन, शुक्रदिन फूलबारी लिला, ६ गते धनुषयज्ञ, ७ गते तीलकोत्सव, ८ गते मटकोर, ९ गते स्वयंवर तथा शुभ विवाह आ १० रामकलेवा विधिसहित समापन हएत । प्रत्येक साल अगहन मङ्सिर शुक्लपक्ष पञ्चमीके तिथिमे मनाएल जाएबला अइ पावैनमे नेपाल आ भारतक विभिन्न स्थानसँ लाखोके सङ्ख्यामे भक्तजन जनकपुरधाम आएल करैत छैन ।

प्रमुख जिला अधिकारी प्रेम प्रसाद लुइँटेलके कहब अनुसार विवाह पञ्चमीकेँ लक्षित क सुरक्षा योजना चुस्त बनाएल गेल अइछ । बेसी भीड़केँ ध्यानमे राइख नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी तथा ट्राफिक प्रहरीकेँ पर्याप्त सङ्ख्यामे परिचालन कएल जेबाक ओ बतौलैन ।(रासस)
–––

ताजा खबर
धेरै पढिएको