जनकपुर, ५ अगहनः धार्मिक तथा ऐतिहासिक महोत्सवक सीताराम विवाह पञ्चमी महामहोत्सव सुरु भेल अइछ ।
महोत्सवके तैयारी पूरा भेल जानकी मन्दिरक उत्ताराधिकारी महन्त रामरोसन दास जानकारी देलैन । आने सालजँका अइ बेर सेहो जानकी मन्दिरकेँ सजाएल गेल अइछ । तहिना, सुरक्षा व्यवस्था चुस्त बनाएल गेल अइछ । जानकी मन्दिरक सरसफाइ, पण्डाल निर्माण, मञ्च तैयारीसँ ल क सांस्कृतिक कार्यक्रमक संरचनाधैर तैयार कएल गेल मन्दिर व्यवस्थापन जनौने अइछ । सप्ताहव्यापी सीताराम विवाह पञ्चमी महोत्सव वृहस्पैतदिन नगर परिक्रमासँ सुरु भेल अइछ ।
महोत्सव अन्तर्गत आइ फूलवारी लिला कएल जेबाक मन्दिर प्रशासन जनौलक अइछ । तहिना, शैनदिन धनुषा यज्ञ, रैबदिन तिलकोत्सव, सोमदिन मटकोर, मङ्गलदिन स्वयंवर तथा शुभ विवाह आ बुधदिन रामकलेवा होइत समापन होबाक कार्यक्रम अइछ । भारतक बिहार, उतर प्रदेश, राजस्थानसहित नेपालक सात प्रदेशक श्रद्धालु भक्तजनसभ दर्शनक लेल जनकपुर अएबाक कार्यक्रम रहल महन्त दास बतौलैन ।
विवाह पञ्चमी महोत्सवमे कोनो तरहक अप्रिय घटना नै होए तइ लेल शान्ति सुरक्षा प्रभावकारी बनेबाक लेल जनकपुरधाममे नेपाल प्रहरी आ शास्त्र प्रहरीके एक हजार ७ सओ ५० सुरक्षाकर्मी परिचालन कएल गेल धनुषाक प्रमुख जिला अधिकारी प्रेम प्रसाद लुइँटेल जानकारी देलैन । (रासस)






