काठमाण्डू, २५ अगहनः जनता समाजवादी पार्टी (जसपा) नेपाल अपन केन्द्रीय सदस्यकेँ निर्वाचन केन्द्रित सङ्गठनात्मक कार्यमे खटाएल गेल अइछ ।
अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा तथा राष्ट्रियसभा सदस्य निर्वाचन तैयारीकेँ प्रभावकारी बनेबाक उद्देश्य सब केन्द्रीय सदस्यकेँ सम्बन्धित निर्वाचन क्षेत्रमे नेर्वाचन केन्द्रित कार्य करबाक लेल खटाएल गेल पार्टीके प्रचारप्रसार तथा प्रकाशन विभाग प्रमुख पूर्ण बस्नेत राससकेँ जानकारी देलैन अइछ ।
ओ कहलैथ,“केन्द्रीय सदस्यसभकेँ प्रत्येक संसदीय निर्वाचन क्षेत्रमे समन्वय समिति आ बुथ समिति गठन क सक्रिय रुपमे परिचालन तथा गठन होबाक लेल बाँकी रहल प्रदेश, जिला, पालिका, वाड, टोल आ गाउँ समिति शीघ्र गठन सहित सङ्गठन तथा संरचना निर्माण कार्य करबाक लेल पार्टीद्वारा निर्देशन देल गेल अइछ ।”
तहिना चुनावी प्रचारप्रसार, मतदाता सचेतना कार्यक्रम, आर्थिक व्यवस्थापन, स्वयंसेवक परिचालन तथा प्रशिक्षणसहित कार्य योजनाबद्ध रुपमे सञ्चालन आ निर्वाचन क्षेत्रमे आधारित कार्यक्रम तथा कार्ययोजना तैयार क समयमे कार्यान्वयन करबाक व्यवस्था करैत प्रचारप्रसार, प्रशिक्षण तथा व्यवस्थापनकेँ प्रभावकारी बनेबाक निर्देशन देल गेल अइछ।
निर्वाचन क्षेत्रमे खटल केन्द्रीय सदस्यसभ प्रत्येक क्षेत्रके मतदाता तथ्याङ्क सङ्कलन, सङ्गठनके स्थिति, प्रतिस्पर्धी दलके अवस्था समेट क नियमित रुपमे रिपोर्टिङ तथा पार्टीके उम्मेदवार सफल होबाक उच्च सम्भावित क्षेत्र पहिचान क तेहन क्षेत्रमे विशेष ध्यान, शक्ति परिचालन आ रणनीतिमूलक गतिविधि सञ्चालनक लेल तथ्याङ्क सङ्कलन तथा विश्लेषणक लेल नतिजामुखी काज करए लेल निर्देशन देल गेल बस्नेत बतौलैन । रासस
–––






