मन्त्रिपरिषद् विस्तारः चाइर मन्त्रीके सपथ


काठमाण्डू, २६ अगहनः नवनियुक्त चाइर मन्त्रीसभ आइ पद तथा गोपनीयताके सपथ लेलक अइछ ।

राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल राष्ट्रपति कार्यालयमे आइ आयोजित विशेष समारोहमे नवनियुक्त भूमि व्यवस्था, सहकारी तथा गरिबी निवारणमन्त्री कुमार सिंह इङ्नाम, श्रम, रोजगार तथा तथा सामाजिक सुरक्षामन्त्री राजेन्द्र सिंह भण्डारी, वन तथा वातावरणमन्त्री माधव चौलागाईं आ महिला, बालबालिका तथा ज्येष्ठ नागरिकमन्त्री श्रद्धा श्रेष्ठकेँ सपथ कराएल गेल अइछ।

प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीके सिफारिसमे हुनकासभकेँ राष्ट्रपति पौडेल आइ नियुक्त कएने अइछ। बितल भादब २७ गते गठित मौजुदा मन्त्रिपरिषद्के सङ्ख्या आब १४ पहुँचल अइछ ।

ओहि अवसरमे उपराष्ट्रपति रामसहाय प्रसाद यादव, प्रधानमन्त्री कार्की, प्रधानन्यायाधीश प्रकाशमान सिंह राउत, प्रतिनिधिसभाक सभामुख देवराज घिमिरे, राष्ट्रियसभा अध्यक्ष नारायण प्रसाद दाहाल, मन्त्रीगण, संवैधानिक निकायके प्रमुख तथा पदाधिकारी, नेपाल सरकारके उच्चपदस्थ अधिकृत, सुरक्षा निकायक प्रमुख तथा अधिकारीसहित उपस्थित छलैथ ।

भादब २३ आ २४ गतेके जेनजी आन्दोलनबाद भादब २७ गते प्रधानमन्त्री कार्कीके नेतृत्वमे गठित मन्त्रिपरिषद् अइसँ पहिने बितल भादब ३०, आसिन ६ गते आ कातिक ९ गते विस्तार भेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय