सिरहा, २६ अगहनः नेपाल प्रहरी भारतसँ अवैध रुपमे आनल गेल प्रतिबन्धित १ सओ किलो मांगुर माछ बरामद क नष्ट केलक अइछ ।
विशेष सूचनाक आधारमे प्रहरी गोलबजार–धनगढी सीमाक्षेत्रके गागन नदीसँ वृहस्पैत दिन उक्त माछ नियन्त्रणमे ल नष्ट कएल गेल जनौलक अइछ । इलाका प्रहरी कार्यालय गोलबजारके प्रमुख तथा प्रहरी निरीक्षक सुदन केसीके कहब अनुसार माछसहित एकटा मोटरसाइकल सेहो बरामद कएल गेल अइछ । बरामद कएल गेल माछ गोलबजार–८ चोहर्वाके राजा सहनीके भेल ओ बतौलैन ।
सहनी दैनिक रुपमे करिब आधा दर्जन मोटरसाइकल प्रयोग क भारतसँ प्रतिबन्धित मांगुर तथा जलकपुर जाइतक माछ आइन लहान, धनगढी, गोलबजार, मिर्चैया, विष्णुपुर आ सिरहा सदरमुकामके व्यापारीसभकेँ आपूर्ति कराबैत आएल स्थानीयके कहब अइछ । सीमा क्षेत्रक विभिन्न रस्ता प्रयोग क ओ माछ आनैत अइछ से आरोप अइछ ।
मांगुर माछ मानव स्वास्थ्यके लेल जोखिमयुक्त होबाक कारण सरकारद्वारा प्रतिबन्ध लगाएल गेल अइछ । अस्वस्थकर वातावरणमे पालब, रसायनके प्रयोग होबाक संभावना बेसी भेलाक कारण आ अइसँ स्थानीय वातावरण तथा जलचर प्रणालीमे नकारात्मक असर होबाक कारण नेपालमे मांगुर माछमे प्रतिबन्ध लगाएल गेल अइछ ।
बरामद कएल गेल माछ इलाका प्रहरी कार्यालय परिसरमे स्थानीय जनप्रतिनिधिके रोहवरमे नष्ट कएल गेल आ घटनाके बारेमे आओर अनुसन्धान भ रहल प्रहरीके कहब अइछ । (रासस)





