विचार : एनपिएल क्रिकेट: महत्वपूर्ण प्रतियोगिताक रूपमे स्थापित


राजु सिलवाल

राजु सिलवाल

काठमाण्डू, २८ अगहन (रासस): एनपिएल क्रिकेटक दोसर संस्करणक समापनक सङ्गे ई नेपाली फ्रेन्चाइज क्रिकेटकेँ देशक सबसँ महत्वपूर्ण प्रतियोगिताक रूपमे स्थापित कएने अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ क्यानद्वारा आयोजित लगभग एक महिना धरिक ई प्रतिस्पर्धा नेपाली क्रिकेटकेँ मात्र मनोरञ्जनक माध्यम नै, बल्कि व्यावसायिकताक सन्देश देबामे सेहो सफल भेल अइछ ।

देशमे राजनीतिक परिवर्तनक बाद सेहो अन्योलपूर्ण अवस्थामे बिना कोनो व्यवधान सफलतापूर्वक प्रतियोगिता सम्पन्न होएब एकटा उल्लेखनीय उपलब्धि मानल जा सकैत अइछ । सरकारक प्राथमिकतामे वर्षाक समयमे सेहो लगातार निर्माण कार्य जारी राखैत फ्लडलाइट लगा क पहिल बेर राइत क समयमे खेलक सञ्चालन करब, दशौँ हजार दर्शककेँ बैसबाक लेल सिटक व्यवस्था करब एनपिएलक सफलताक उदाहरण छी ।

एहिना, निजी क्षेत्र करोड़ोँ टका लगानी क अन्तर्राष्ट्रीय ख्यातिप्राप्त खेलाड़ीकेँ अपन-अपन टीममे समावेश केलक, जाहिसँ नेपाल तथा विश्वक क्रिकेटप्रेमीकेँ रोमाञ्चकारी प्रतिस्पर्धासँ लाभान्वित होबाक अवसर भेटल अइछ । प्रत्यक्ष रूपमे लाखोँ दर्शकके आकर्षण देखलाक बाद, अखने-अखने बनल तथा मर्मत-सम्भार कएल गेल कीर्तिपुर रङ्गशाला सेहो आब छोट भ गेल अनुभव भ रहल एनपिएल आब दीर्घकालीन रूपमे नेपाली खेलकूदके सबसँ पैघ ब्राण्डक रूपमे स्थापित होबाक स्पष्ट सङ्केत कएने अइछ ।

एकपक्षीय फाइनल

पछिला साल एनपिएल क्रिकेटक पहिल संस्करणक समयमे लुम्बिनी टीम सहभागी टीमसभमे सबसँ नीचाँ पहुँचलाक बाद कप्तान रोहित पौडेलक आलोचना होइत रहल छल । किछु लोक हुनका राष्ट्रिय टीमक कप्तानके जिम्मेदारीसँ सेहो हटेबाक बात उठाबैत छल, मुदा एनपिएल क्रिकेटके दोसर प्रतियोगितामे ओ प्रतियोगिताक सर्वोत्कृष्ट खेलाड़ी बइन मोटरकार, मोटरसाइकल पएबाक सङ्गे विजेता ट्रफी उठा क सशक्त कप्तानक रूपमे इतिहास रचने छैथ । शैनदिन भेल फाइनलमे एकपक्षीय खेल बनेबामे कप्तान रोहितक नेतृत्वमे रहल लुम्बिनी लायन्स टीमकेँ सफलता भेटल छल ।

अइ बेर संयोगसँ फाइनलमे नेपाली राष्ट्रिय टीमक कप्तान आ उपकप्तानक बीच भिडन्त छल । नेपाली राष्ट्रिय टीमक कप्तान रोहित पौडेलक नेतृत्वमे रहल लुम्बिनी लायन्स टीम उपकप्तान दीपेन्द्रसिंह ऐरीक नेतृत्वमे रहल सुदूरपश्चिम रोयल्सक टीमकेँ ६६ बल बाँकी रहैत ६ विकेटसँ हरा क उपाधि जीतलक ।

पछिला सालक उपविजेता सुदूरपश्चिमाञ्चल अइ बेर लीग चरणमे सशक्त खेल प्रदर्शन करैत लगातार छटा खेल जीतलाक बाद उच्च मनोबलमे देखाइत छल ।

पछिला सालक विजेता जनकपुर बोल्डस टीम लीग चरणसँ बाहर भ गेलाक बाद नव उपाधि जीतबाक होड़मे सुदूरपश्चिम छल । लुम्बिनी प्रदेशकेँ सेहो ७ विकेटसँ हरा चुकल छल, तँए डरेबाक स्थिति नै छलै, मुदा एनपिएलके फाइनलमे दू बेर पहुँचबामे सफल सुदूरपश्चिम टॉस जीत क ब्याटिङ करब घातक सिद्ध भेल । ओइ टीमकेँ जीतबे करबाक दबाव छल, मुदा ब्याटिङमे संयमता नै भ सकल । लगातार नौ विकेट खसब दुःखद छल, मुदा लुम्बिनी कोनो दबाव बिना फाइनलमे उतरल छल । लुम्बिनी प्रत्येक खेलमे सुधार करैत विजयक भागीदार बनल मानल जा सकैत अइछ ।

फाइनल खेलकेँ दर्शक प्रतिस्पर्धात्मकसँ नै सकलाह । १०० रन सेहो नै बना सकल सुदूरपश्चिम लुम्बिनीकेँ ८६ रनक चुनौती देब अत्यन्त कमजोर प्रदर्शन मानल जाएत, मुदा लुम्बिनी ३६ बल बाँकी रहैत सहजे ६ विकेटसँ उपाधि अपन नाम क लेलक । आन खेल जकाँ काल्हि सेहो छक्काक वर्षा भेल छल, मुदा एकपक्षीय रूपमे । लुम्बिनीक लेल विस्फोटक ब्याट्सम्यान दिनेश अधिकारीद्वारा कएल गेल ४ टा छक्का सहित ४२ रन टीमकेँ शीघ्र विजयके नजदीक ल गेल छल । खेलक अवस्था देखैत लुम्बिनीकेँ शीघ्र खेल समाप्त क ट्रफी उठेबाक हड़बड़ी भ रहल छल, से महसूस होइत छल ।

करोड़ोँके पुरस्कार

एनपिएल क्रिकेटक सहभागी खेलाड़ीसभक लेल पैघ लागतक पुरस्कार सेहो प्रमुख आकर्षण बइन रहल अइछ । विभिन्न विधाक खेलाड़ीक प्रोत्साहनक लेल बेसी पुरस्कारक लेल निजी क्षेत्र प्रायोजन जुटा क आयोजककेँ सहयोग क रहल अइछ । अइ बेर सेहो एपिएलमे विजेता टीम आ उत्कृष्ट खेलाड़ीकेँ करोड़ोँ टका पुरस्कार देल गेल अइछ। विजेता टीम लुम्बिनीकेँ एक करोड़ १० लाख टका पुरस्कार भेटल छल । दोसर स्थानपर रहल सुदूरपश्चिम टीमकेँ टका ५१ लाख, तेसर टीम विराटनगर किङ्ग्सकेँ टका २५ लाख तथा चारिम टीम काठमाण्डू गोर्खाजकेँ टका १५ लाख पुरस्कार भेटल छल ।

एकर अतिरिक्त खेलाड़ी सेहो व्यक्तिगत रूपमे पचासोँ लाख पुरस्कार पएने छलाह । लुम्बिनीक कप्तान रोहित पौडेलकेँ भेटल मोटरकार, मोटरसाइकलक सङ्गे विराटनगरक सन्दिप लामिछाने, लुम्बिनीक शेर मल्लकेँ मोटरसाइकल पुरस्कार भेटल छल । आन स्वदेशी तथा विदेशी खेलाड़ीसभ विभिन्न विधासभमे नगद पुरस्कार प्राप्त कएने छल । खेलाड़ीकेँ उच्च शिक्षा अध्ययनक लेल छात्रवृत्ति सेहो प्रदान कएल गेल छल ।

प्रतिस्पर्धात्मक स्तर

एहि सीजनक एनपिएल जे महत्वपूर्ण विषयपर प्रभाव छोड़ने अइछ, से छी प्रतिस्पर्धात्मक स्तर । अइ बेर बेसीतर खेल अन्तिम ओभरधैर रोचक बनल छल । सहभागी टीमद्वारा अन्तिम समयधैर कएल गेल प्रयास खेलक स्तरकेँ प्रतिस्पर्धात्मक बनेलक । स्वदेशी तथा विदेशी खेलाड़ीक मिश्रण भेल टीमसभक बीच भेल प्रतिस्पर्धासँ दर्शककेँ स्तरीय खेल देखबाक अवसर भेटल छल । विभिन्न देशसँ आएल अन्तर्राष्ट्रीय खेलाड़ीसभक खेलमे प्रभाव देखबामे आएल, सङ्गे घरेलु खेलाड़ीसभक प्रयास प्रतियोगिताक गुणस्तरकेँ किछु हदधैर उठाबामे सहयोगीक भूमिका निभेने छल । अइसँ नेपाली खेलाड़ीसभक स्तर तथा आत्मविश्वास विगतक तुलनामे बढ़ल महसूस कएल गेल अइछ ।

दर्शकके उत्साह

एनपिएलक प्रमुख विशेषता दर्शकक उपस्थिति रहल । विगतक वर्षसभसँ विभिन्न देशसभमे नेपाली राष्ट्रिय टीमक खेल भेलाक समय नेपाली दर्शकक पैघ सङ्ख्यामे उपस्थितिक विश्व क्रिकेट जगत प्रशंसा करैत आइब रहल अइछ । नेपालक विभिन्न जिलासँ दर्शक एनपिएल क्रिकेट देख काठमाण्डू आएल छल । बच्चासँ ल क बुढ़ दर्शक खेलमे उपस्थित होइत छल, सहभागी टीमक जर्सी, राष्ट्रिय झण्डा तथा क्लबक झण्डाक सङ्ग दर्शकक आगमन राष्ट्रिय एकताक भावनाकेँ आओर सुदृढ़ बनेबाक लेल भेटल अइछ । टेलिभिजनक प्रत्यक्ष प्रसारण तथा डिजिटल फॉर्मेटक माध्यमसँ संसारक विभिन्न कोनामे बैसल नेपालीक सङ्गे क्रिकेटप्रेमी विश्वक बीच जुड़ि सकल, जाहिसँ क्रिकेटक प्रभाव आओर विस्तार भेल अइछ ।

टिकटके उच्च माँग

एनपिएल क्रिकेटक टिकट खेलसँ पहिनेए समाप्त भ जाएब ई प्रतियोगिता दिस खेलप्रेमीसभक अत्यधिक आकर्षण मानल जा सकैत अइछ । क्रिकेटके लेल दर्शक खूब आतुर छल । कीर्तिपुर रङ्गशालामे दैनिक भीड़ देखाइत छल । विभिन्न खेलक समयमे ऑनलाइनमे सम्पूर्ण टिकट ‘सोल्ड आउट’ भेल जानकारी आयोजकद्वारा देल गेलाक बादो खेलक समयमे प्याराफिटक रङ्गीन सीटसभ खाली देखाइत छल । एहिना टिकट बिकेलाक बादो सीट खाली होएक स्थिति किएक उत्पन्न भेल छल तथा टिकटके काला बजारी भेल शिकायतके बारेमे क्यानकेँ जाँच करब आवश्यक मानल गेल अइछ । प्रतियोगिताक अन्तिम घड़ीमे क्यानद्वारा अचानक टिकटके मूल्य बढ़ाबए सेहो उचित नै छल ।

हेलिकप्टर यात्रा

एनपिएलक क्रममे नेपाल आएल विभिन्न अन्तर्राष्ट्रीय खेलाड़ीद्वारा नेपालमे कएल गेल विभिन्न भ्रमणसँ नेपालक पर्यटन प्रवर्धनमे योगदान भेटबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । विराटनगर किङ्ग्स दिससँ खेलल अन्तर्राष्ट्रीय खेलाड़ीसभ सेमीफाइनलसँ टीमसँ बाहर भेलाक बाद हेलिकप्टरसँ सगरमाथा क्षेत्रके भ्रमण कएने छल । अतिथि खेलाड़ी मार्टिन गुप्टिल, फाफ डु प्लेसिस आ मर्चेण्ट डे लाङ्गे नेपालक क्रिकेटके सङ्गे नेपालक प्राकृतिक सौन्दर्यक सेहो प्रत्यक्ष अनुभव कएने छैथ । ओसभ हिमाली क्षेत्रमे खिचल गेल फोटोक माध्यमसँ नेपालक विश्वमे प्रचार भेल अइछ । आन टीमक खेलाड़ी, अफिसियल तथा आन अतिथि सेहो नेपालक प्राकृतिक सौन्दर्यसँ प्रभावित भेबाक धारणा व्यक्त कएने छैथ ।

क्रिकेटप्रेमीक प्रिय

एनपिएल क्रिकेटके फाइनलक दिन क्रिकेट कमेन्टेटर एण्ड्रयु लियोनार्ड नेपाली राष्ट्रिय पहिरन दौरा सुरूवालमे सजि कीर्तिपुर रङ्गशालामे छल । आन कमेन्टेटरसभ ढाका टोपी पहिरने छल । किछु वर्षसँ कमेन्टेटर एण्ड्रयुकेँ लोकप्रियता नेपाली क्रिकेटप्रेमीक बीच बइढ़ रहल अइछ । नेपालक मित्रक रूपमे परिचय बनेनिहार आयरल्याण्डक पूर्वक्रिकेटर एण्ड्रयु सन् २०१८मे एभरेष्ट प्रीमियर लीगमे टेलिभिजन कमेन्ट्रीक लेल पहिल बेर नेपाल आएल छल । ओकर बाद विभिन्न बेर नेपाल आएल ओ विभिन्न अन्तर्राष्ट्रीय प्रतियोगितामे उद्घोषण करैत नेपालक क्रिकेटक सङ्गे समग्र नेपालक प्रशंसा करैत विश्वमे नेपालक प्रचार-प्रसारक लेल योगदान करैत आइब रहल छैथ ।

अइबेर कीर्तिपुर रङ्गशालामे गेल दर्शकसभमेसँ किछु हुनके मुखाकृतिसँ मिलैत-जुलैत मुखौटा सेहो लगा क आएल देखाइत छल । ओ प्रत्यक्ष प्रसारणक क्रममे बाइज रहल छलै, तखने हुनकर बड्का आकारक तस्वीर तथा ब्यानर देखलाक बाद भावुक भ गेल रहए ।

पहिल बेर क्रिकेट एकेडेमी

पछिला सालक विजेता जनकपुर बोल्टस टीम अइ बेर उचित नतीजा हासिल नै क सकलाक बादो क्रिकेट प्रशिक्षणक निरन्तरताक लेल सक्रिय रहत । एनपिएल क्रिकेटमे सहभागी आठ टीमसभमेसँ पहिल बेर जनकपुर बोल्ट्स टीम जेबी क्रिकेट एकेडेमीक घोषणा क क्रिकेट प्रशिक्षण सञ्चालन करत । एकेडेमी मधेश–प्रदेशक स्थानीय खेलाड़ीकेँ प्रशिक्षण देबाक लक्ष्य राखने अइछ । अइसँ आगाक दिनमे नव प्रतिभाक लेल अवसरके द्वार खुलबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ ।

अन्तमे, एनपिएल क्रिकेटक समाप्तिसँ सङ्गे अइ सीजनमे देखल गेल चुनौतीकेँ भविष्यमे आओर व्यवस्थित बनेबैत विश्वस्तरीय फ्रेन्चाइज क्रिकेटकसँ दिस आगा बढ़ब आवश्यक मानल गेल अइछ । दर्शकक व्यापक समर्थनसँ ई लीग आब नेपालमे मात्र नै, बल्कि क्षेत्रीय बाजारमे सेहो प्रतिस्पर्धी भ सकैत अइछ, ई सङ्केत भेटल अइछ । एनपिएलक आय तथा खर्चक सम्पूर्ण विवरण सार्वजनिक क पारदर्शिता कायम करब आवश्यक देखाइत अइछ ।

एहिना, अइ प्रतियोगिताक क्रममे उत्कृष्ट खेल प्रदर्शन कएनिहार प्रतिभाकेँ आगाक विश्वकपकेँ लेल चयन कएल जाएबवला नेपाली टीममे समावेश क राष्ट्रिय टीमकेँ आओर मजबूत बनेबाक लेल अग्रसरता देखाब पड़बाक आवश्यकता महसूस कएल गेल अइछ । एनपिएलमे नीक प्रदर्शन कएनिहार विनोद भण्डारी, शेर मल्ल, बसिर अहमदसहित खेलाड़ीकेँ राष्ट्रिय टीममे समावेश कएल जा सकैत अइछ, तँ आगाक टी–ट्वान्टी विश्वकपमे नेपालकेँ फाइदा देखाइत अइछ । नेपालकेँ टेस्ट खेलनिहार राष्ट्रक सूचीमे समावेश करबाक लेल आगाक दिनमे सुधारक प्रयास करैत रहए पड़त ।

एहिना, एनपिएलक दू संस्करणक समाप्त क देलाक बाद आब तेसर संस्करण राजधानी काठमाण्डूसँ बाहर सेहो विस्तार करबाक लेल क्यान व्यवस्थापनक सक्रियता अपेक्षित मानल गेल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको