खानेपानी मन्त्रालयके सचिवसहित १७ गोटे विरुद्ध सर्वोच्चमे पुनरावेदन


काठमाण्डू, २९ अगनः अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग मेलम्ची खानेपानी आयोजनामे भेल भ्रष्टाचारमे विशेष अदालतद्वारा सफाइ भेटल खानेपानी मन्त्रालयके सचिव डा.संजय शर्मा विरुद्ध सर्वोच्च अदालतमे पुनरावेदन देलक अइछ । 

आयोग रैबदिन विज्ञप्ति जारी क मेलम्ची खानेपानी विकास समितिक तत्कालिन अध्यक्ष आ खानेपानी मन्त्रालके सचिवसभ भीम प्रसाद उपाध्याय, गजेन्द्र कुमार ठाकुर, मेलम्ची खानेपानी विकास समितिक तत्कालीन बोर्ड सदस्य रुद्रसिंह तामाङ, तत्कालीन बोर्ड सदस्य मुकुन्द प्रसाद पौडेललगायत १७ गोटे विरुद्ध अख्तियार सर्वोच्च अदालतमे पुनरावेदन देने जनौने अइछ । 

फैसला पुनरावलोकनके लेल रैबदिन सर्वोच्चमे कएल गेल पुनरावेदनमे जेनजी सहिद परिवारक दिससँ सरकार तथा जेनजी आन्दोलनकारी बीचके संझौतामे हस्ताक्षर कएने भोज विक्रम थापाकेँ विपक्षी बनाएल गेल अइछ । मेलम्ची आयोजना भ्रष्टाचार बारे अख्तियार २०८० फागुनमे विशेष अदालतमे मुद्दा दायर कएने छल । भ्रष्टाचार मुद्दामे थापा विरुद्ध ३२ करोड़ ३५ लाख ६१ हजार ६ सओ ६३ टका बिगो कायम क जरिवाना आ कैद सजाय माँग दाबी कएल गेल छल । विशेष अदालत सफाइ देलाक बाद अख्तियार सर्वोच्च गेल अइछ ।  विशेष अदालत २०८१ भादब १६ गतेके फैसलासँ आंशिक सफाइ देने कारण उल्लेखित फैसलाउपर सन्तोष नै भेलासँ रैबदिन सर्वोच्च अदालतमे पुनरावेदन निवेदन दर्ता कएल गेल अइछ ।  (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको