निर्वाचनमे ७९ दिन बाँकीः समानुपातिकदिस १४ राजनीतिक दल सहभागी नै हएत


काठमाण्डू, १ पुसः नेपालक संविधानसँ मिश्रित निर्वाचन प्रणाली अङ्गीकार कएल गेल अइछ । जमा २ सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे १ सओ ६५ गोटे प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमार्फत निर्वाचित होबाक व्यवस्था अइछ । तहिना, १ सओ १० सदस्य समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमार्फत निर्वाचित होबाक व्यवस्था अइछ ।

निर्वाचन आयोगद्वारा अइगला फागुन २१ गतेके लेल निर्वाचनक मिति निर्धारण कएल गेल अइछ । निर्वाचनमे मतदाता दूटा मतपत्रमार्फत मतदान करत । सामान्यता निर्वाचनमे सहभागी होएबला राजनीतिक दल मिश्रित निर्वाचन प्रणालीमे भाग लैत अइछ से मान्यता अइछ । संविधान प्रदत्त व्यवस्थाअनुसार प्रत्यक्ष आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमे भाग ल क राजनीतिक दल ओएह अनुसार उमेदवार छनौट करैत अइछ ।

निर्वाचन आयोगद्वारा उपलब्ध कराएल गेल विवरणअनुसार किछ राजनीतिक दल प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमे भाग ल क समानुपातिकदिस सहभागी नै होइत अइछ । आयोगक अनुसार समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिस भाग लेबाक लेल १ सओ राजनीतिक दल दर्ता करौने अइछ । ओकरासभक लेल ९३ टा निर्वाचन चिह्न उपलब्ध कराओल गेल अइछ । तहिना, प्रत्यक्षदिस जमा १ सओ १४ राजनीतक दल दर्ता भेल अइछ ।

आयोग निर्धारण कएने कार्यविधि पूरा क निर्वाचन प्रयोजनक लेल १ सओ २ राजनीतिक दल आ राजनीतिक दलसम्बन्धी नियमावलीअनुसार एकल चुनाव चिह्न ल १२ राजनीतिक दल दल दर्ता भेल अइछ । आयोगक अनुसार प्रत्यक्षदिस मात्रे सहभागी होएबला राजनीतिक दलमे राष्ट्रिय समता पार्टी नेपाल, विकासशील जनता पार्टी, राष्ट्रिय साझा पार्टी, परिवर्तन पार्टी, युनाइटेड नेपाल डिमोक्रेटिक पार्टी, नेपाल नौलो जनवादी पार्टी, राष्ट्रिय समुन्नति पार्टी अइछ ।

तहिना, राष्ट्रवादी केन्द्र नेपाल, राष्ट्रवाद युवा मोर्चा, लोक दल, राष्ट्रवादी एकता पार्टी, विवेकशील साझा पार्टी, देशभक्त लोकतान्त्रिक पार्टी, नेपाल आ सर्वोदय पार्टी अइछ । ई राजनीतिक दल प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमे भाग लेलाक बादो समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीमे भाग नै लेत ।

समानुपातिकदिसक सहायक निर्वाचन अधिकृत एवं आयोगक सहसचिव यज्ञ प्रसाद भट्टराईके कहब अनुसार किछ दल दोसर दलके निर्वाचन चिह्नमे समानुपातिकदिस भाग लेबाक कारण अलगसँ दल दर्ता नै करौने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय