हत्या कएल वनपालेके माथा भेटल


राष्ट्रिय समाचार समिति
बरहथवा (सर्लाही), २० पुसः सर्लाहीके ईश्वरपुरमे हत्या कएल गेल वनपा रामईश्वर महतोके माथा भेटल अइछ । ईश्वरपुर नगरपालिकास्थित सागरनाथ वन परियोजनामे वनपालेके रुपमे कार्यरत महतोके शैनदिन गर्दनि काइट क हत्या भेल छल ।

जिला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीक सूचना अधिकारी प्रहरी नायब उपरीक्षक सरोज राईके अनुसार शैनदिन महतोके माथा बिनाके शव भेटल छल । आइ दुपहरमे महतोके माथा घटनास्थलसँ एक सओ मिटरके दूरीमे भेटल अइछ । महतोके हत्याके अनुसन्धानमे दू टा कुकुरसहित धनुषाक लालगढसँ प्रहरीके विषेश अनुसन्धान टोली पहुँचल छल ।

प्रहरी हत्याके आशङ्कामे एक गाेटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल जनौलक अइछ । गिरफ्तार कएल गेल व्यक्तिकेँ सार्वजनिक नै कएल गेल अइछ ।

शैनदिन भोरे वनमे गाछी काइट रहल आवाज सुनलाक बाद महतो साइकलमे वनदिस गेल छल । अबेरधैर घर नै अएलाक बाद हनुकर खोजी कएल गेल छल ।

महतोके हत्याक बाद स्थानीय त्रसित बनल ईश्वरपुर नगरपालिका–२ क वाडध्यक्ष सुरेन्द्रबहादुर कार्की बतौलैन । घटनाके विषयमे अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय