धोखा


राेशन जनकपुरी

राेशन जनकपुरी

मन्दिरक मूर्ति आगू
बेटाके राइख
बजलाह ओ
हे गोविन्द
अहाँक वस्तु
समर्पित अइछ अहीँके ।
आइ पीटि रहल छैथ छाती
नोँइच रहल छैथ माथ,
बेटा भुगेलैन्ह ुशहीदु
गोविन्दक रक्षामे ।
आ गोविन्द,
मूर्तिवत् ठाढ़
बजबैत रहलाह बाँसुरी।
ओना अवस्था
मस्जिदके सेहो फराक नइँ अइछ एहि स,
ओत्तहु,
अल्लाहके राहमे
कुर्बान भगेलहाक हेतु,
छाती पीटि पीटि कु
मनायल जा रहल अइछ
मातम ।
रहस्यक बात ई अइछ जे,
ईश्वर
आ अल्लाह
दुनू
रहैत अइछ संगहि,
एक्के गाममे,
एक्के महलमे।

(‘समयगीत’ कविता संग्रह स)

Cover Image: AI

ताजा खबर
लोकप्रिय