काठमाण्डू, २५ माघः आइसिसी पुरुष टी–२० विश्वकप क्रिकेट प्रतियोगिताके अपन उद्घाटन खेलमे नेपाल दू बेरक विश्वकप विजेता इङ्ल्यान्डसँ पराजित भेल अइछ ।
भारतके मुम्बईस्थित वानखेडे स्टेडियममे आइ भेल खेलमे इङ्ल्यान्डसँ नेपाल चाइर रनसँ पराजित भेल अइछ । समान्य अन्तरसँ पराजित भेलासँ नेपाली क्रिकेट इतिहासमे नयाँ कीर्तिमानी कायम करैबला अवसरसँ बञ्चित भेल अइछ।
१८५ रनके पुछवाबैत नेपाल निर्धारित २० ओभरमे छ विकेट क्षतिमे १८० रनमे सिमित भेल । नेपालक लेल दीपेन्द्र सिह ऐरी सर्वाधिक ४४ रनके योगदान देलक । ओ २९ बलमे छ चौका आ एक छक्का प्रहार करैत ४४ रन बनेलक ।
तहिना कप्तान रोहित पौडेल आ लोकेश बम समान ३९/३९ रन बनेलक तँ कुशल भुर्तेल २९ रन बनेलक । आरिफ शेख १० रन बनेलक बाकी खेलाड़ीमे आसिफ शेख सात रनमे आउट भेल तँ गुल्सन झा एक रनमे आउट भेल ।
बलिङमे इङ्ल्यान्डके लियम डसन दू विकेट लेलक । अइसँ पहिने टस जीत क पहिने ब्याटिङ कएने इङल्यान्ड निर्धारित २० ओरभमे सात विकेट क्षतिमे १८४ रन बनौने छल ।
इङ्ल्याडक लेल ज्याकब बेथेल आ कप्तान ह्यारी ब्रूक अर्धशतक बनेलक । ज्याकब ३५ बलमे चाइर चौका आ चाइर छक्कासँ ५५ रन बनेलक । तहिना कप्तान ह्यारी ३२ बलमे चाइर चौका आ तीन छक्का प्रहार करैत ५३ रन बनेलक । विल ज्याक्स अविजित ३९ रन, जस बटलर २६ रन बनेलक ।
बलिङमे नेपालक दीपेन्द्र सिंह ऐरी आ नन्दन यादव समान दू/दू विकेट लेलक तँ शेर मल्ल आ सन्दीप लामिछाने समान एक/एक विकेट लेलक ।
शैनदिनसँ सञ्चालन भेल विश्वकपमे नेपाल समूह ‘सी’मे अइछ । नेपालक समूहमे इङ्ल्यान्डसङे वेस्ट इण्डिज, इटाली आ स्कटल्यान्ड अइछ। नेपाल अपन दोसर खेल इएह माघ २९ गते इटलीसँ खेलत ।रासस
Imagesourse:.indianexpress.com





