काठमाण्डू, २६ माघः राष्ट्रिय सभा सरकार कएने सामाजिक संजाल विधेयक फिर्ता करबाक निर्णयकेँ सर्वसम्मतिसँ पारित केलक अइछ ।
सभाके आजुक बैसारमे राष्ट्रिय सभामे विचाराधीन सामाजिक संजाल विधेयक २०८१ फिर्ता भेल अइछ । सभाके अध्यक्ष नारायण दाहाल उक्त विधेयकपर निर्णयार्थ प्रस्तुत करैत विधेयक फिर्ता भेल घोषणा केलैन ।
विधायन व्यवस्थापन समितिक सभापति तुलसा कुमारी दाहाल ‘सामाजिक संजाल विधेयक, २०८१ सम्बन्धी विधायक व्यवस्थापन समितिक प्रतिवेदन’ पेस कएने छलैन ।
सभाके २०८२ भादब १३ गते भेल बैसारसँ राष्ट्रिय सभासँ उक्त विधेयक उत्पत्ति क दफाबार परामर्शक लेल विधायन व्यवस्थापन समितिमे पठाएल गेल छल । समितिमे ३५ गोटे सांसद १ सओ ५५ टा संशोधन प्रस्ताव दर्ता करौने छलैन ।
समितिक सभापति दाहाल उक्त विधेयकपर सूचना तथा संचार प्रविधिमन्त्री, मन्त्रालयके सचिव आ सरोकारवालासँ विभिन्न चरणमे अनौपचारिक परामर्श भेल जानकारी करौलैन ।
संचार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालय बितल माघ २० गते उक्त विधेयक फिर्ता माँगबाक निर्णय कएने छल ।रासस
Imagesourse:onlinekhabar.com





