वीरगञ्ज भंसारक राजस्व पेट्रोलियम पदार्थ आ सवारी आयातमे निर्भर


वीरगञ्ज (पर्सा), २६ माघ: वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके राजस्व पेट्रोलियम पदार्थ आ सवारीसाधनके आयातमे निर्भर अइछ । कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके पहिल छ महिनामे एक खरब १६ अरब ५८ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । मुदा, अइ ठामक राजस्व सङ्कलन पेट्रोलियम पदार्थके आयातसँ मात्रे छ महिनामे ३७ अरब ८५ करोड़ टका सङ्कलन भेल अइछ ।

तहिना, दोसर स्थानमे यातायातके साधन आ ओइमे प्रयोग होएबला पार्टपुर्जाके आयात अइछ । अइसँ १३ अरब ९८ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्ट वीरगञ्ज भंसारक राजस्व पेट्रोलियम पदार्थके आयात आ यातायातके साधन आ ओइमे प्रयोग होएबला पार्टपुर्जा आयातसँ प्राप्त होएबलामे निर्भर रहल बतौलैन ।

चालु आर्थिक वर्षके छ महिनामे लोहा तथा लोहासँ बनल सामानसँ छ अरब ८३ करोड़ टका, कपड़ा आयातसँ पाँच अरब २६ करोड़ टका, इलेक्ट्रिक मेसिनरी, उपकरण आ ओइके पार्टपुर्जासँ चाइर अरब ९१ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ ।

तहिना, मदिराजन्य पेयपदार्थके आयातसँ एक अरब ८३ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । शृङ्गारके सामानसँ एक अरब ८१ करोड़ टका राजस्व जमा भेल अइछ । रासस

Imagesourse:sunaulonepal.com

ताजा खबर
लोकप्रिय