ढाका, २७ माघः अगिला निर्वाचनमे न्यायसङ्गत राजनीतिक प्रतिनिधित्वके माँग करैत बङ्गलादेशी महिलासभ आइ ढाकामे प्रदर्शन केलक अइछ ।
सन् २०२४ के विद्रोहक नेतृत्व करबाक लेल पैघ भूमिका निर्वाह कएलाक बादो महिलासभ बङ्गलादेशक राजनीतिक क्षेत्रसँ बहिष्कृत भेल ओकरासभक कहब अइछ ।
अखन चाइर प्रतिशतसँ कम महिला उम्मेद्वार चुनावी प्रक्रियामे अइछ, तँ ३० टा दलसभ पुरुष उम्मेद्वारकेँ मात्रे टिकट देने अइछ ।
महिलासभकेँ धार्मिक आ राजनीतिक जुलुशमे मात्रे लक्षित करबाक प्रवृति बढ़लाक कारण ओकरासभकेँ सार्वजनिक जीवनसँ बञ्चित करबाक प्रयासक पृष्ठ भूमिमे प्रदर्शन कएल गेल अइछ ।
शेख हसिनाके निरंकुश सरकार अपदस्थ भेलाक बाद इएह फरवरी–१२ मे बङ्गलादेशमे पहिल निर्वाचन होबए लागल अइछ ।रासस/एएफपी





