वीरगञ्ज (पर्सा), १८ चैतः वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्षके सात महिनामे २३ अरब ५७ करोड़ टकाके सवारीसाधन तथा पार्टपुर्जा आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके सात महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे दामके आधारमे सवारीसाधन आ पार्टपुर्जा आयात छ अरब ४२ करोड़ टकासँ बेसी अइछ ।
वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्टके कहब अनुसार चालु आर्थिक वर्षमे सवारीसाधन आ पार्टपुर्जा आयातमे वुद्धि भेल अइछ । भंसार कार्यालय चालु आर्थिक वर्षके सात महिनामे सवारीसाधन आ पार्टपुर्जा आयातसँ मात्रे १६ अरब ७३ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । बितल आर्थिक वर्षके सात महिनामे १७ अरब १५ करोड़ टकाके सवारीसाधन आ पार्टपुर्जा आयात कएलापर १३ अरब २६ करोड़ राजस्व सङ्कलन कएल छल ।
चालु आर्थिक वर्षके सात महिनामे एक अरब १६ करोड़ १३ लाख टकाके छ सओ ९टा इन्धनसँ चलैबला जिप, कार आ भ्यान आयात कएल गेल अइछ । ओइ सवारीसाधनक आयातसँ दू अरब ८६ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके सात महिनामे एक अरब ५० करोड़ टकाके सात सओ ४८ टा इन्धनसँ चलैबला जिप, कार आ भ्यान आयात कएल गेल छल । ओइ सवारीसाधनके आयातसँ तीन अरब ७३ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल छल । रासस





