जिमेवारी पूरा क मतादेशकेँ कर्जा चुकता करब : सभापति लामिछाने


काठमाण्डू, १९ चैतः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीक सभापति रवि लामिछाने जनता रास्वपाकेँ देल मतादेशकेँ कर्जा जिमेवारी पूरा क चुकता करब से बतौलैन अइछ ।

प्रतिनिधिसभाक पहिल अधिवेशनक पहिल बैसारमे आइ दलीय आधारपर बाजैत सभापति लामिछाने जनता हुनकासभकेँ सिंहदरबार चलाबक लेल नै, बल्कि सिंहदरबारमे परिवर्तनक लेल मत देलक आ ओइ अनुसार काज सुरू क चुकल स्पष्ट केलैन ।

सभापति लामिछाने कहलैन, “ई संसद बहसके ठाम हएत , प्रतिशोधक ठाम नै । प्रतिपक्षकेँ अन्यायपूर्वक प्रतिशोध आ अत्याचार नै हएत , मुदा सुशासनके बेग सेहो नै रुकत । रास्वपाके सब कियो बाइज क नै, अपन काजसँ प्रमाणित करए पड़त ।”

सभापति लामिछाने बिचौलिया आ माफियासँ चपाएल निजी क्षेत्रकेँ आब दबाव नै हएत से कहैत समान अवसर आ व्यावसायिक वातावरण सरकारद्वारा मिलेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । ओ जातीय आ लैङ्गिक आधारपर कोनो विभेद नै होबाक सङ्कल्प करैत जेठ नागरिकक सम्मान आ बालबालिकाके शिक्षा, स्वास्थ्यक लेल विशेष ध्यान देबाक बतौलैन ।

विगतमे राजनीतिक नियुक्ति लेनिहारकेँ स्वेच्छिक रूपमे मार्गप्रशस्त करबाक अपेक्षा करैत ओ नवका नियुक्तिमे विधि आ योग्यताक मापदण्ड पालन होबाक स्पष्ट केलैन ।

गैह्रआवासीय नेपालीक पुँजी, सीप आ अनुशासनकेँ नेपालक आर्थिक विकासमे उपयोग करब कहैत ओ देश प्रतिपक्षकेँ सेहो साथमे ल क मित्रवत् आ पारदर्शी परराष्ट्र नीति कायम करबाक बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय