प्रधानमन्त्रीद्वारा मधेश प्रदेशक सांसदसँ बातचित


काठमाण्डू, १८ चैतः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह मधेश प्रदेशसँ प्रतिनिधिसभामे प्रतिनिधित्व केनिहार सांसदसभसँ बातचित केलैन अइछ ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालय, सिंहदरबारमे भेल उक्त बातचितमे प्रधानमन्त्री शाह सम्बन्धित जिला आ क्षेत्रमे तत्काल कएल जाएबला काजके विषयमे सुझाव लेने छल ।

जिला आ क्षेत्रमे तत्काल कएल जाएबला काजके विषयमे प्रधानमन्त्रीकेँ सुझाव देल गेल अइ बातचितमे सहभागी सांसद मनिष झा जानकारी देलैन ।

ओ कहलैन “स्वास्थ्य, शिक्षा, पूर्वाधार, भौतिक निर्माण, सिँचाइ, कृषि आदि विषयमे तत्काल आ दीर्घकालीनरुपमे करबाक चाही से विषयमे प्रधानमन्त्रीसंग बातचित भेल ।” प्रधानमन्त्री शाह सुदुरपश्चिम प्रदेशक सांसदसँ बातचित क चुकल छैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय