संवैधानिक इजालाससम्बन्धी ‘वेब पोर्टल’ प्रारम्भ


काठमाण्डू, २० चैतः सर्वोच्च अदालतमे संवैधानिक विवादक समयमे निरुपण, पारदर्शिता आ जवाफदेहिताके लेल संवैधानिक इजलाससम्बन्धी ‘वेव पोर्टल’ प्रारम्भ कएल गेल अइछ ।

सर्वोच्च अदालतमे आइ आयोजित कार्यक्रममे कायममुकायम प्रधानन्यायाधीश सपना प्रधान मल्ल पोर्टलके उद्घाटन करैत संवैधानिक इजलासके सुदृढीकरण, संविधानके रक्षा आ न्यायमे पारदर्शिताके लेल पोर्टल प्रारम्भ कएल गेल बतौलैन ।

हाल संवैधानिक इजलासमे दू सओ ८२ सँ बेसी मुद्दासभ विचाराधीन अइछ । ओइमध्ये किछ आठ सालसँ बेसी पुरान अइछ, तँ पाँच सालसँ बेसीके ७३ टा मुद्दा अइछ । “किछ मुद्दाके मिसिलसभ जइर गेल छै । तथापि हमसभ सम्हाइर क काज क रहल छी । आब ‘नै देख सकबाक’ या ‘समय अभाव’ के कारण इजलास स्थगित होबाक परम्पराके अन्त्य करएजका काज करब”, कामु प्रधानन्यायाधीश मल्ल कहलैन, “संवैधानिक इजलासकेँ थप व्यवस्थित बनेबाक लेल आब हप्ताके दू दिन अनिवार्य रूपमे इजलास होबाक सुनिश्चितता कएल गेल छै ।”

‘लाइभ स्ट्रिमिङ’ अभ्याससँ अदालतक कार्यप्रणालीकेँ पारदर्शी बनाबए आ कानुनक विद्यार्थीसँ जिज्ञासु नागरिकधैरकेँ दीक्षित करैत न्यायापालिका सबके पहुँचमे रहबाक ओ विश्वास व्यक्त केलैन ।

सर्वोच्च अदालतक न्यायाधीश तथा सूचना प्रविधि समिति संयोजक डा. नहकुल सुवेदी संवैधानिक इजलाससम्बन्धी नयाँ वेब पोर्टल सुरु केनाइ अपनेमे महत्त्वपूर्ण भेल बतौलैन । न्यायपालिकाकेँ प्रविधिमैत्री बना क सेवाग्राही, कानुन व्यवसायी आ अदालतप्रति जिज्ञासा राखैबला व्यक्तिसभक लेल सहज सेवा देबाक अवस्था बनेबाक लेल हमसभ काज क रहल हुनक कहब छलैन ।

हाल सर्वोच्च अदालतमे २७ हजार १ सओ ४७ मुद्दा फछ्र्यौट करबाक बाँकी अइछ तँ संवैधानिक इजलासमे हाल दू सओ ८२ मुद्दा अइछ । नेपालक संविधानके धारा १३७, संवैधानिक इजलाससम्बन्धी व्यवस्था (१) मे सर्वोच्च अदालतमे संवैधानिक इजलास रहबाक प्रावधान अइछ । इजलासमे प्रधानन्यायाधीश आ न्याय परिषदक सिफारिसमे प्रधानन्यायाधीश तोकने अन्य चाइर गोटे न्यायाधीश रहबाक व्यवस्था अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय