काठमाण्डू, २० चैत: वैदेशिक रोजगारीक लेल विभिन्न देशमे पठेबाक नामपर अवैध नगद संकलन क सम्पर्कविहीन भेल चाइर गोटकेँ प्रहरी गिरफ्तार केलक अइछ। काठमाण्डू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालय सल्यानक कर्ण बहादुर राउत, तनहुँक आनन्द थापा, नवलपरासी (पूर्व)क राधिका पाठक पौडेल आ मोरङके तिलक परियारकेँ गिरफ्तार केलक अइछ।
पकड़ाएल चारू गोटकेँ प्रहरी आइ सार्वजनिक केलक अइछ। ओसभ विभिन्न व्यक्तिसँ ७३ लाखसँ बेसी नगद ठगी कएने कार्यालयक प्रहरी उपरीक्षक मनोहरप्रसाद भट्ट जानकारी देलैन।
राउत ११ गोटकेँ फिनल्याण्ड पठेबाक नामसँ ५७ लाख, थापाकेँ माल्टा पठेबाक नामसँ एक गोटसँ ४ लाख ५० हजार, पौडेल दू गोटसँ ४ लाख २० हजार आ परियार सर्विया पठेबाक नामपर दू गोटसँ ८ लाख नगद ल क बेपत्ता भेल छल। (रासस)





