आइसँ मतदाता नामावली सङ्कलन सुरु


काठमाण्डू, २२ चैतः प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल स्थगित कएल गेल मतदाता नामावली सङ्कलनक काज आइसँ सुरु भेल अइछ । निर्वाचन आयोग प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल बितल अगहन ६ गतेसँ नामावली सङ्कलनक काज स्थगित कएने छल । आयोगक इएह चैत १८ भेल बैसारसँ मतदाता नामावली सङ्कलनके काज सुरु करबाक निर्णय कएल गेल छल ।

स्थगित उक्त कार्यक्रम आइसँ पुनः सञ्चालन हुअ लागल आयोगक सहसचिव एवं प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन । राष्ट्रिय परिचयपत्र नम्बर प्राप्त कएने नेपाली नागरिकके अपन राष्ट्रिय परिचयपत्रके विवरणमार्फत मतदाता नामावलीमे अनलाइन प्रणालीसँ नाम दर्ता क सकबाक व्यवस्था मिलाएल गेल आयोग जनौलक अइछ ।

राष्ट्रिय परिचयपत्र प्रणालीमे आबद्ध नै भेल व्यक्तिसभक हकमे आयोगक ‘प्रि इनरोलमेन्ट’ प्रणालीमार्फत अनलाइन फारम भड़बाक व्यवस्था कएल गेल अइछ । ओइ लेल व्यक्तिके अपन फोटो तथा औँठा छापसहितक जैविक विवरण प्रदेश तथा जिला निर्वाचन कार्यालयमे स्वयं भौतिक रूपमे उपस्थित होबए पड़त ।

मतदाता नामावलीमे भेल त्रुटि सचिएबाक, दोहरा नाम हटेबाक, मृत्यु तथा बसाइँसराइके विवरण अद्यावधिक करबाकलगायतक काजके लेल सेहो अनलाइन माध्यमसँ आवेदन द सकबाक व्यवस्था मिलाएल गेल प्रवक्ता भट्टराई जानकारी देलैन ।

नाम, थर, पता सचिएबाक, एक वाडमे दू या ओइसँ बेसी मतदानस्थल भेलापर मतदाताकेँ सहज हुअबला स्थानमे नाम सारब, नागरिकताअनुसारके विवरण अन्यथा भेलापर नागरिकताअनुसार सेहो सचियाएल जा सकैय । मतदाता नामावली सङ्कलन प्रक्रियामे सक्रिय सहभागिताके लेल आयोग आग्रह केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय