राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, ८ जेठः चलचित्र पत्रकार संघ नेपाल २७म वार्षिकोत्सव तथा राष्ट्रिय चलचित्र पत्रकारिता दिवसके अवसरमे विभिन्न सम्मान आ पुरस्कार वितरण केलक अइछ ।
संघद्वारा ५५ हजार ५५५ टका राशिके ‘राष्ट्रिय चलचित्र पत्रकारिता रजत सम्मान’ अनन्त वाग्लेकेँ, ‘राष्ट्रिय चलचित्र पत्रकारिता मरणोपरान्त विशेष सम्मान’ स्वर्गीय दिनेश सिटौलाकेँ, ‘राष्ट्रिय चलचित्र पत्रकारिता सम्मान’ जयन सुब्बा मानन्धरकेँ, ‘राष्ट्रिय चलचित्र पत्रकारिता सम्मान’ कुवेरराज गिरीकेँ, ५१ हजार राशिके ‘राष्ट्रिय चलचित्र पत्रकारिता पुरस्कार’ वैकुण्ठराज पराजुलीकेँ, ५१ हजार राशिके दिनेश सिटौला स्मृति राष्ट्रिय चलचित्र पत्रकारिता पुरस्कार’ सुरक्षा भट्टराईकेँ आ २५ हजार राशीके ‘राष्ट्रिय चलचित्र पत्रकारिता प्रोत्साहन सम्मान’ मिलन ढुंगानाकेँ प्रदान केलक अइछ ।
संघद्वारा वृहस्पैतदिन साँझ आयोजित कार्यक्रममे चलचित्र विकास बोर्डक अध्यक्ष दिनेश डिसी, महानायक राजेश हमाल, कलाकारसभ वसुन्धरा भुसाल, भुवन चन्द, करिश्मा मानन्धर, निखिल उप्रेती, रेखा थापा, संघके अध्यक्ष समीर बलामीसहित उक्त सम्मान आ पुरस्कार वितरण कएने अइछ।
बोर्डक अध्यक्ष डिसी चलचित्र पत्रकारिताके सहकार्यमे चलचित्र क्षेत्रके श्रीवृद्धिमे काज करबाक चाही से कहलैन । कार्यक्रममे चैत्यदेवी सिंह, अशोक शर्मा, बद्री पङ्गेनी, पल शाह, जीतु नेपाल, सुरक्ष्या पन्त, नरेन्द्र महर्जन, उत्तम केसी, अरूण कुमार प्रधान, पुष्कर लामा, नारायण प्रधान, जनक कार्की, वसन्त थापासहित सहभागी छलैथ ।





