कार्की क रिटमे सर्वोच्चद्वारा कारण देखाउ आदेश जारी


काठमाण्डू, २ अगहन : सर्वोच्च अदालत नेपाल प्रहरीक महानिरीक्षक दानबहादुर कार्कीकेँ पदसँ हटाक प्रधानमन्त्रीक विशेष सुरक्षा सलाहकार नियुक्त कएल सरकारक निर्णयपर कारण देखाउ आदेश जारी केलक अइछ।

न्यायाधीश श्रीकान्त पौडेलक एकल इजलास आइ कारण देखाउ आदेश जारी करैत रिट निवेदकक मांगअनुसार अन्तरिम आदेश देबाक वा नै देबाक विषयमे निर्णय लेल दुनू पक्षकेँ बातचित लेल बोलेबाक आदेश देलक अइछ। अइ सन्दर्भमे अदालत सूचना तथा म्याद तामेल भेल तिथिसँ १५ दिनभितर महान्यायाधिवक्ताक कार्यालयमार्फत लिखित जवाब पेश करबाक सरकारकेँ आदेश देने अइछ।

कातिक १८ गतेक मन्त्रिपरिषद बैसार कार्कीकेँ प्रहरी महानिरीक्षकक जिमेवारीसँ हटाक प्रधानमन्त्रीक विशेष सुरक्षा सलाहकार नियुक्त करबाक तथा रिक्त प्रहरी महानिरीक्षक पदपर डा. मनोज केसीकेँ नियुक्त करबाक निर्णय कएने छल।

सरकार बिना कोनो पूर्वसूचना तथा सुनुवाइके अवसर नै द क प्रहरी ऐन, २०१२ तथा प्रहरी नियमावली, २०७१ विपरीत पदसँ हटौलक से दाबी करैत कार्की बितल कातिक २० गते सर्वोच्च अदालतमे रिट दायर कएने छल। अइ विषयमे अदालत अगहन ७ गतेक लेल पेशी तोकने अइछ। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय