जनकपुर, ३० कातिक : धनुषाके शहीदनगर नगरपालिका–२, मतौनास्थित धनी पोखैरमे छैठ घाटके ओगरबाही क रहल ६० वर्षीय पुरुष मृत अवस्थामे भेटल अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा अनुसार स्थानीय रामजतन यादव पोखैरमे छैठ घाट निर्माण क असगरे ओगरबाहीमे छलैन ।
यादव आइ भोर ६ः०० बजे मृत अवस्थामे भेटल छलैन । मृतक यादवके दहिना गालपर महुसँ कानधैर धरगर हतियारसँ काटल चोट देखाएल प्रहरी जनौलक अइछ ।
घटनाबारे जानकारी प्राप्त भेलाक लगले जिला प्रहरी कार्यालय धनुषासँ प्रहरी नायब उपरीक्षक ओम प्रकाश खनालके कमान्डमे कुकुरसहित प्रहरी टोली घटनास्थलपर खटल छल ।
प्रहरी घटनास्थलके मुचुल्का तैयार क लहास परीक्षणके लेल प्रादेशिक अस्पताल पठौलक अइछ । घटनास्थल लग पोखैरके पाइनमे पुआर काटैबला हतियार सेहो बरामद कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
घटनाके अनुसन्धानक लेल प्रहरी एक गोटेकेँ नियन्त्रणमे लेलक अइछ । घटनाके कारण आ संलग्न व्यक्तिबारे थप अनुसन्धान भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा जनौलक अइछ । (रासस)





