सभापति लामिछाने आ अध्यक्ष नवीनबीच भेटवार्ता : राजनीतिमे ‘जेन–जी’ पुस्ताके बढ़ैत भूमिकापर बातचित


काठमाण्डू, १९ जेठ: राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा) क सभापति रवि लामिछाने आ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) क राष्ट्रिय अध्यक्ष नितिन नवीनके बीच राजनीतिमे ‘जेन–जी’ पुस्ताके बढ़ैत भूमिका आ सम्भावनाबारे बातचित भेल अइछ ।

भाजपा मुख्यालयमे आइ हुनकासभक बीच भेल भेटवार्तामे खास क लोकतान्त्रिक सहभागिता, सार्वजनिक बहस तथा भावी नेतृत्व निर्माणमे युवा पुस्ताके भूमिकापर विचार आदानप्रदान भेल भाजपा जनौलक अइछ ।

प्रतिनिधिमण्डलकेँ स्वागत करैत अध्यक्ष नवीन साझा सभ्यतागत विरासत, सांस्कृतिक सम्बन्ध तथा जनस्तरके सुदृढ सम्बन्धमे आधारित भारत–नेपालबीचके घनिष्ठ आ ऐतिहासिक सम्बन्धबारे चर्चा कएने छल । ओ एहन अन्तरक्रिया लोकतान्त्रिक संवादकेँ आओर सुदृढ बनेबाक सङे भाजपा आ रास्वपाबीचके पार्टीगत सम्बन्धकेँ आओर गहिर बनाबएमे सहयोग पहुँचबाक भाजपा जनौलक अइछ । अध्यक्ष नवीन भाजपा पार्टीके यात्रा, विचारधारा, सङ्गठनात्मक संरचना तथा जनमुखी राजनीतिक सहभागितासम्बन्धी दृष्टिकोणबारे जानकारी कराैने छल ।

भेटवार्ताक क्रममे रास्वपा प्रतिनिधिमण्डल भाजपा सदस्यता प्रक्रिया, उम्मेदवार छनाैट प्रणाली तथा कार्यकर्ता पहिचान आ हुनकासभसँ सम्पर्क विस्तारके संयन्त्रबारे विशेष बातचित कएने छल ।

अइ सङे अध्यक्ष नवीन प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके नेतृत्वमे अवलम्बन कएल गेल विकासमुखी सुशासन मोडेलबारे सेहो चर्चा करैत विकास, सेवा, सुशासन तथा कल्याणकारी सेवा प्रवाह भाजपा सरकारक शासन प्रणाली आ जनसम्पर्क रणनीतिके केन्द्रमे रहल उल्लेख कएने छल । उक्त भेटवार्तामे अध्यक्ष नवीनसङे भाजपा राष्ट्रिय महामन्त्री अरुण सिंह, सांसद सञ्जय जयसवाल, सांसद बाँसुरी स्वराज तथा भाजपा विदेश विभाग प्रमुख डा विजय चौथाइवा सेहो सहभागी छलैथ ।

रास्वपा प्रतिनिधिमण्डल भाजपा मुख्यालयस्थित मिडिया सेन्टर तथा केन्द्रीय पुस्तकालयके सेहो अवलोकन कएने छल । भाजपाक विदेश विभाग प्रमुख चौथाइवा जारी कएल विज्ञप्तिअनुसार भेटवार्ताक बाद आयोजित दिवाभोज कार्यक्रममे दिल्लीक मुख्यमन्त्री रेखा गुप्तासहित नेतासभ सहभागी छलैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय