अतिक्रमित जमीन ताकैत गुठी संस्थान


जनकपुरधाम, ८ साओनः गुठी आ गुठी संस्थानक अतिक्रमित जमीनके खोजी शुरू भेल अइछ ।

भूमि अतिक्रमणमे संघीय सरकारक जागरुकता बढलाक बाद संस्थान जमीनके लगत सङ्कलन आ अतिक्रमित जमीन खाली करेबाक प्रक्रिया प्रारम्भ केलक अइछ ।

गुठी संस्थान मठमन्दिर आ पोखैर अतिक्रमण क बसोबास क रहल व्यक्तिसभकेँ जमीन खाली करबाक सूचना जारी केलक अइछ ।

गुठी जमीनके मालिक सम्बन्धित गुठी वा गुठी संथान छी, आ गुठी जमीनकेँ रैतानी प्रक्रिया संविधान सङे फंसल कहैत अदालत वि.सं. २०६४ माघ १० गतेक फैसलासँ रोक लगाएल गेल अइछ ।

गुठी जमीन जोतएबलाकेँ स्वतः मोहियानी हक नै लगबाक सर्वोच्च अदालतके फैसलामे उल्लेख अइछ ।

संस्थानके प्रशासन प्रमुख ध्रुव घिमिरेके संयोजकत्वमे गठित कार्यदल जनकपुरधामस्थित गुठी आ गुठी संस्थानक जमीन सात दिनभित्रमे हटेबाक सार्वजनिक सूचना जारी केलक अइछ।

जनकपुरधाममे गुठी संस्थानक ४९ टा पोखैर छै । सात टा पोखैरके लगत सङ्कलन कार्य अन्तिम चरणमे पहुँचल आ पाँच टा पोखैर लोप भ चुकल गुठी संस्थान जनकपुरधामक प्रमुख किशोर कुमार झा जानकारी देलैन अइछ ।

पोखरी तोइप क बस्ती, होटल, अस्पताल, व्यापारिक प्रतिष्ठान आ कलेज निर्माण कएल गेल ओ बतौलैन । गुठी संस्थानसँ जमीनके अद्यावधिक अभिलेख नै रहल अतिक्रमणके वास्तविक अवस्था अखनो स्पष्ट नै अइछ ।

जनकपुरधाममे गुठी संस्थानक करिब २२सँ २५ विघा जमीन अतिक्रमणमे पड़ल होबाक अनुमान कएल गेल अइछ । प्रमुख झा अनुसार रत्न सागरमे करिब नौ बिघा आ बेलाकुट्टीमे करिब चाइर बिघासँ बेसी जमीन अतिक्रमण भेल अनुमान अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय