प्रश्नपत्र सार्वजनिक करैबलाकेँ कारबाही हएतः मन्त्री पोखरेल


काठमाण्डू, १० साओनः शिक्षा तथा खेलकुदमन्त्री सस्मित पोखरेल त्रिभुवन विश्वविद्यालय व्यवस्थापन सङ्कायअन्तर्गत एमबिएस प्रथम सत्रके परीक्षाके प्रश्नपत्र सार्वजनिक करबाक घटनामे संलग्न दोषीकेँ कानुनी कारबाही करबाक बतौलैन अइछ ।

मन्त्रालयमे आइ सञ्चारकर्मीसभसँ बातचित करैत मन्त्री पोखरेल उक्त घटनामे संलग्न दू गोटेकेँ नेपाल प्रहरी नियन्त्रणमे ल अनुसन्धान सुरु कएने जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार प्रश्नपत्र सार्वजनिक भेल जानकारी प्राप्त भेलाक बाद गृह मन्त्रालय आ नेपाल प्रहरीसँ समवंय क तत्काल निगरानी बढ़ाएल गेल छल ।

विगतमे सेहो अइ प्रकारक घटना भेल उल्लेख करैत मन्त्री पोखरेल अइ बेर तत्काल कारबाही प्रक्रिया सुरु कएल गेल आ सुशासन विरोधी गतिविधिमे संलग्न व्यक्तिकेँ कानुनबमोजिम कारबाही करबाक स्पष्ट केलैन । घटनाके विस्तृत अनुसन्धानके बाद सत्यतथ्य सार्वजनिक करबाक ओ बतौलैन ।

प्रश्नपत्र सार्वजनिक कएने आरोपमे नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय अनुसन्धान ब्युरो (सिआइबी) दू गोटेकेँ नियन्त्रणमे ल थप अनुसन्धान क रहल अइछ । इएह साओन ८ गते सञ्चालन भेल एमबिएस प्रथम सत्रके ‘अर्गनाइजेशनल बिहेबियर’ विषयके परीक्षा सुरु भेलाक किछुए मिनेटमे प्रश्नपत्र सामाजिक सञ्जालमे सार्वजनिक भेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय