काठमाण्डू, २० जेठ : भारत भ्रमणमे रहल राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के सभापति रवि लामिछाने आ भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी बीच आइ नयाँ दिल्लीमे भेटवार्ता भेल अइछ ।
भेटक बाद प्रधानमन्त्री मोदी अपन सामाजिक सञ्जाल फेसबुकमे सभापति लामिछानेसँ भेटबाक अवसरसँ अत्यन्त खुशी लागल उल्लेख कएने छैथ । तहिना, ओ सभापति लामिछानेसँ सझिया समृद्ध भविष्यक लेल लगसँ सहकार्य करबाक आ हुनक इच्छाकेँ स्वागत आ पूर्ण रूपमे समर्थन करबाक उल्लेख केलैन ।
प्रधानमन्त्री मोदी नेपाल ‘पहिल पड़ोसी’ नीतिअन्तर्गत एकटा प्राथमिक साझेदार राष्ट्र भेल आ दूनु देश बीच रहल विशेष आ बहुआयामिक सम्बन्धकेँ आओर उच्च स्तरमे पहुँचेबाक लेल नयाँ सरकारसँ सहकार्य करबाक लेल उत्सुक रहल उल्लेख केलैन ।
भेटक अवसरमे हुनकासभ बीच नेपाल–भारत सम्बन्ध, रास्वपा आ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)बीचके सम्बन्ध, दू देश बीचक आपसी हितसहित विविध आयामसभक विषयमे परामर्श भेल छल ।
ओइ अवसरमे भारतीय विदेशमन्त्री डा. एस जयशङ्कर, प्रधानमन्त्री मोदीके सुरक्षा सल्लाहकार अजित डोभल, विदेशसचिव विक्रम मिश्रीलगायतक उपस्थिति छल, तँ नेपालक दिससँ सभापति लामिछाने, हुनक श्रीमती नीकिता पौडेल, रास्वपाके नेताद्वय विपीन आचार्य आ दीपक बोहरा तथा नयाँ दिल्लीस्थित नेपाली राजदूताबासक उच्च अधिकारीके सेहो सहभागिता छल ।
भाजपाके अध्यक्ष नीतिन नवीनक निमन्त्रणमे सभापति लमिछाने भारतक पाँच दिनक भ्रमणके लेल सोमदिन नयाँ दिल्ली प्रस्थान कएने छलैन । अइ बीचमे सभापति लामिछाने मङ्गलदिन भारतक गृहमन्त्री अमित शाह, विदेशमन्त्री डा. एस जयशङ्कर, भाजपाक अध्यक्ष नवीनलगायत उच्च पदाधिकारीसँ भेटवार्ता कएने छलैन । (रासस)
–––
तस्बीर : प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके फेसबुक





